आइ देशभैर बादल लागत, मध्यम वर्षा/हिमपातक सम्भावना


काठमाण्डू, ७ चैत : अखन नेपालमे पश्चिमी न्यून चापीय प्रणाली आ स्थानीय वायु क प्रभाव अइछ। अखन मधेश, बागमती, गण्डकी, लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेश सहित बाँकी पहाड़़ी आ हिमाली भू–भागमे अधिकांश बादल लागल अइछ।

बागमती आ गण्डकी प्रदेशक किछु स्थानसभमे आ बाँकी प्रदेशक किछु स्थानसभमे मेघगर्जन/ठण्का सहित मध्यम वर्षा/हिमपात भ रहल मौसम पूर्वानुमान महाशाखा जनौलक अइछ।

आइ दिनमे देशभैर अधिकांश बादल लागत। महाशाखाक अनुसार कोशी, मधेश, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक बहुत स्थानसभ तथा लुम्बिनी, कर्णाली आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक किछु स्थानसभमे मेघगर्जन/ठण्का/पत्थर खसब/हावा बिहाइर सहित मध्यम वर्षा/हिमपातक सम्भावना अइछ।

राइतमे देशभैर साधारणतया बादल लागत से महाशाखा जनौलक अइछ। कोशी प्रदेश सहित बाँकी प्रदेशक हिमाली भू–भागक किछु स्थानसभमे तथा बाँकी पहाड़़ी भू–भागक एक-दू स्थानमे ठण्का सहित हल्का वर्षा/हिमपातक सम्भावना अइछ। रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय