पाल्पामे ‘टिपर’ दुर्घटना, चाइर गोटेके मृत्यु


तानसेन (पाल्पा), ८ चैतः पाल्पामे शैनदिन साँझ भेल टिपर दुर्घटनामे चाइर गोटेके मृत्यु भेल अइछ ।

जिला प्रहरी कार्यालयके सूचना अधिकारी प्रहरी नायब उपरीक्षक होम प्रकाश चौधरीके कहब अनुसार अर्घाखाँचीके शीतगङ्गा नगरपालिका–४ सिद्धारके २६ वर्षक चिन्ता बहादुर सुनार, ओएह ठामक २६ वर्षक सुनिल विक, रुपन्देही देवदह नगरपालिका–२ खैरेनीके २६ वर्षक सुनिल नेपाली आ तानसेन नगरपालिका–१० पटुवाके ३३ वर्षक राजन चिदीके मृत्यु भेल अइछ ।

चिदीके भैरहवा मेडिकल कलेज रुपन्देहीमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल ओ बतौलैन ।

ओइ ठामक माथागढी गाउँपालिका–७ रहबासस्थित झडेवा–रहबास कच्ची सड़कखण्डमे लु २ ख ४५२५ नम्बरके टिपर दुर्घटना भेल छल । खाली टिपर झडेवासँ रहबास चुनढुङ्गा खानीदिस जा रहल समय सड़कसँ करिब ५० मिटर तर खसल छल । दुर्घटनाके बारेमे थप अनुसन्धान भ रहल जिला प्रहरी कार्यालय जनौलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय