काठमाण्डू, ९ चैतः नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय समिति बैसारसँ सभापति गगन कुमार थापा पदसँ देने राजीनामा अस्वीकृत कएल गेल अइछ ।
कांग्रेस केन्द्रीय कार्यसमितिक रैबदिन पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपा ललितपुरमे भेल बैसारसँ सभापति थापा इएह चैत ३ गते पदसँ देने राजीनामाक सम्बन्धमे परामर्श क अस्वीकृत करबाक निर्णय कएल गेल पार्टीके कार्यवाहक मुख्यसचिव कृष्ण प्रसाद दुलाल जानकारी देलैन । पार्टीके १५म महाधिवेशन सम्पन्न करबाक महत्त्वपूर्ण जिमेवारीकेँ मध्यनजर करैत उक्त निर्णय कएल गेल ओ बतौलैन ।
बैसारसँ बितल फागुन २१ गते सम्पन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे पाटी प्राप्त कएने परिणामके जिमेवारी केवल एक व्यक्तिके रूपमे पार्टी सभापति आ विशेष महाधिवेशनसँ चयन भ जिमेवारी सम्हारने केन्द्रीय कार्यसमितिके मात्रै नै समग्र पार्टीके सझिया जिमेवारीके विषय रहल निष्कर्ष निकालल गेल अइछ ।
उपसभापति विश्व प्रकाश शर्माके सभापतित्वमे इएह चैत ६ गतेसँ सुरु भेल बैसार आइ सम्पन्न भेल अइछ ।
बैसारसँ पश्चिम एसियामे भ रहल युद्ध जल्दी समाप्त होबाक अपेक्षा करैत युद्धग्रस्त क्षेत्रमे लाखो नेपालीके सुरक्षाक लेल गम्भीरतापूर्वक सक्रिय होबाक लेल सरकारके ध्यानाकर्षण कराएल गेल अइछ । तहिना, हर्मुज क्षेत्रके बन्दरगाहमे इरानी सेनाके नियन्त्रणमे रहल नेपाली नागरिक अमृत झाकेँ मुक्त करा सकुशल स्वदेश आनबाक लेल सेहो कांग्रेस सरकारसँ माँग केलक अइछ ।
बितल भादब २३ आ २४ गते भेल जेनजी प्रदर्शनक घटनासभ बारेमे जाँचबुझ करबाक लेल गठित गौरी बहादुर कार्की नेतृत्वक जाँचबुझ आयोगद्वारा बुझाएल गेल जाँचबुझ प्रतिवेदन अविलम्ब सार्वजनिक करबाक लेल सेहो सरकारसँ माँग कएल गेल अइछ ।
तहिना, पेट्रोलियम पदार्थमे कएल गेल अत्यधिक मूल्य वृद्धि तथा नियमित आपूर्ति भ रहल खाना बनाबैबला एलपी ग्यास वितरणमे बजारमे कृतिम अभाव सिर्जना कएल गेल विषयमे ध्यानाकर्षण कराबैत कांग्रेस पेट्रोलियम पदार्थके दाम घटाबए आ एलपी ग्यासके सहज आपूर्तिके व्यवस्थाक लेल सेहो माँग केलक अइछ । (रासस)





