‘कोशी मिडिया समिट’ सम्पन्न


इनरुवा (सुनसरी), ९ चैतः इटहरी उपमहानगरपालिकामे आयोजित ‘कोशी मिडिया समिट’ १४ बिन्दु घोषणापत्र जारी करैत सम्पन्न भेल अइछ ।

नयन एडभरटाइजिङ मिडिया प्रालिद्वारा सञ्चालित प्रदेश खबर डटकमके आयोजना, नेपाल पत्रकार महासङ्घ कोशी प्रदेशके सहकार्य तथा नेपाल पत्रकार महासङ्घ सुनसरीके समवंयमे समिट सम्पन्न भेल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष पवन अधिकारी जानकारी देलैन ।

सम्मेलनसँ नेपालक संविधान, २०७२ पूर्ण प्रेस स्वतन्त्रताके प्रत्याभूति कएने अवस्थामे सङ्घीय, प्रदेश आ स्थानीय सरकार प्रेस तथा अभिव्यक्ति स्वतन्त्रताके उपभोग करएबला अनुकूल वातावरण बनेबाक लेल भूमिका निर्वाह करबाक माँग कएल गेल घोषणापत्र तैयार समितिक संयोजक तथा नेपाल पत्रकार महासङ्घक पूर्वकेन्द्रीय सदस्य अमर खड्का जानकारी देलैन ।

तहिना, मर्यादित पत्रकारिताके विकासक लेल आओर प्रभावकारी भूमिका निर्वाह करबाक लेल प्रेस काउन्सिल नेपालसँ आग्रह करबाक सङे ‘मिसइन्फर्मेसन’ आ ‘डिसइन्फर्मेसन’ बइढ़ रहल अवस्थामे पत्रकारके थप विश्वसनीय आ जवाफदेही भ काज करबाक निष्कर्ष निकालल गेल अइछ ।

तहिना, सरकार वितरण करएबला विज्ञापन समानुपातिक आ समावेशी बनेबाक तथा सङ्कटमे रहल सञ्चार गृहकेँ अनुदान आ ‘सफ्ट लोन’के व्यवस्था करए आ विज्ञापन बोर्डमार्फत लोक कल्याणकारी विज्ञापनमे लाइग रहल कर छुट करबाक लेल सेहो माँग कएल गेल अइछ । श्रमजीवी पत्रकार ऐन तथा नियमावली कार्यावंयनक अनुगमन क तत्काल लागू करए आ सञ्चार गृहकेँ सामाजिक सुरक्षा कोषमे आबद्ध करा श्रमजीवी पत्रकारके सामाजिक सुरक्षा सुनिश्चित करबाक लेल सम्मेलन माँग केलक अइछ ।

कार्यक्रममे राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) के कार्यकारी अध्यक्ष एवं महासङ्घक पूर्वकेन्द्रीय अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा आ गोरखापत्र संस्थानक अध्यक्ष अखण्ड भण्डारी सम्बन्धित संस्थाके विषयमे जानकारी कराबैत पत्रकारिता क्षेत्रसँ सम्बन्धित विभिन्न विषयमे धारणा व्यक्त कएने छलैन ।

पत्रकार आचारसंहिता, लोककल्याणकारी विज्ञापन, अन्य विज्ञापन, पत्रकारके पारिश्रमिक, सामाजिक सुरक्षा कोषमे सहभागिता, नियुक्तिपत्र, पत्रकारक लेल वित्तीय विकासक कार्यक्रम, मिडिया सञ्चालनक विविध पक्षलगायत विषयमे पत्रकार शालीग्राम पाण्डे, सुविद गुरागाईं, बन्धु पोखरेल, सुमन पुरी, सञ्जीव वाग्ले, खेमचन्द्र अधिकारी, राजन केडी, विदुर खवास, मीन कुमार नवोदितलगायतका जिज्ञासा व्यक्त कएने छलैन ।

पत्रकारिता क्षेत्रमे देखल गेल चुनौतीके विषयमे वैदेशिक रोजगार बोर्डके कार्यकारी निर्देशक डा. द्वारिका उप्रेती तथा नेपाल विज्ञापन सङ्घक पूर्वअध्यक्ष सन्तोष श्रेष्ठ अपन धारणा व्यक्त कएने छलैन । कार्यक्रममे नेपाल पत्रकार महासङ्घ कोशी प्रदेशक अध्यक्ष भरत खड्का कोशी प्रदेश केन्द्रित कार्यपत्र प्रस्तुत कएने छलैन ।(रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय