आइ विश्व जल तथा मौसम दिवस


काठमाण्डू, ९ चैतः ‘आइके अवलोकन, काइलके सुरक्षा’ नारासँ नेपालमे सेहो विविध कार्यक्रमसहित आइ विश्व जल तथा मौसम दिवस मनाएल जा रहल अइछ । सन् १९५० मे विश्व मौसम विज्ञान सङ्गठनके स्थापना भेल दिनके यादमे सन् १९६१ सँ ई दिवस मनेबाक सुरु भेल अइछ ।

जल तथा मौसम विज्ञान विभागक मौसमविद् सुजन सुवेदी दिवसके अवसरमे मौसमसम्बन्धी चेतना अभिवृद्धि, पूर्वानुमान प्रणालीके महत्त्व आ जलवायु जोखिम न्यूनीकरणके उपायके बारेमे परामर्श करबाक कार्यक्रम तय कएल गेल जानकारी देलैन ।

विश्व मौसम दिवस प्रत्येक वर्ष मार्च २३ मे मनाएल जाइत अइछ । दिवसके अवसरमे मौसम तथा जलवायु सेवाके भूमिका आ ओइसँ मानव जीवन, कृषि, जलस्रोत तथा विपद् व्यवस्थापनमे पहुँचौने योगदानक बारेमे विश्वभैर सचेतना फैलाएल जाइत अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय