स्वास्थ्यमन्त्री डा. गौतमद्वारा प्रगति विवरण सार्वजनिक


काठमाण्डू, ९ चैतः स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्री डा. सुधा गौतम अपने कएने काजके प्रगति विवरण सार्वजनिक केलैन अइछ ।

मन्त्रालयके प्रवक्ता डा. प्रकाश बुढाथोकीके कहब अनुसार मन्त्री डा. गौतम मन्त्रालयके वेबसाइटमार्फत अपन कार्यकालमे कएने काजक प्रगति विवरण सार्वजनिक केलैन । जेनजी आन्दोलनक क्रममे घायल भेल व्यक्तसभक गुणस्तरीय इलाज आ राहत तथा वर्गीकरण कएल गेल ओ उल्लेख केलैन ।

तहिना, प्रगति विवरणमे वीर अस्पतालक इमर्जेन्सी इलाज विभागके ५५ बेडमे विस्तार, ९३ आधारभूत अस्पतालके निर्माण काज सम्पन्न भ ६२ आधारभूत अस्पतालसँ प्रारम्भिक सेवा सञ्चालन कएल गेल मन्त्री डा. गौतम उल्लेख केलैन ।

तहिना, स्वास्थ्य क्षेत्र सुधार कार्ययोजना २०८२/८३ बमोजिम ६ कार्यक्षेत्र आ २२ क्रियाकलापक प्रभावकारी कार्यवंयन, बितल अगहन २४ गतेसँ फागुन ३० धैर ‘स्वस्थ मन, स्वस्थ जीवन’ नारासँ मानसिक स्वास्थ्य सचेतना अभियान सञ्चालन भेल मन्त्री डा.गौतमके प्रगति विवरणमे उल्लेख अइछ ।

तहिना, सिंहदरबार वैद्यखानासँ ३५ प्रकारक दवाइ उत्पादन होइत आएलमे हमरा एलाक बाद १ सओ २ प्रकारक दवाइ उत्पादन सुरु कएल गेल मन्त्री डा.गौतम अपन प्रगति विवरणमे उल्लेख कएने छैथ । समुदायमे आधारित रोग निगरानी प्रणालीके सुरुआत भ ५४ जिलामे विस्तार भ रहल, १ सओ २१ अस्पताल आ ५२ जिलामे मातृ तथा नवजात स्वास्थ्य शिशु स्वास्थ्य सेवा विस्तार, सेवाके पहुँच कम भेल सुदूरपश्चिम आ मधेश प्रदेशक स्थानीय तहमे एकीकृत प्रजनन स्वास्थ्य शिविर सञ्चालन कएल गेल उल्लेख अइछ ।

प्रगति विवरणमे देशभैरके सब सङ्घीय अस्पतालमे मनोसामाजिक परामर्श केन्द्र स्थापना सेवा सुरु, ७ सओ ५३ स्थानीय तहमे नागरिक आरोग्य कार्यक्रममे मनोसामाजिक स्वास्थ्य कार्यक्रम सञ्चालन भेल उल्लेख अइछ ।

तहिना, दवाइके गुणस्तर परीक्षणक लेल राष्ट्रिय औषधि प्रयोगशालाक क्षमताकेँ अन्तर्राष्ट्रियस्तरमे पहुचेबाक लेल आवश्यक पूर्वाधार विकासक प्रक्रिया आगु बढ़ाएल गेल, आधारभूत अस्पताल सञ्चालनक लेल आवश्यक विभिन्न उपकरणके लिस्ट, २०८२ स्वीकृत क स्वास्थ्य सेवा विभागमार्फत कार्यवंयन कएल गेल मन्त्री डा. गौतमके प्रगति विवरणमे समावेश कएल गेल अइछ ।

मन्त्री डा. गौतम अपन पाँच महिनाक कार्यकालमे स्वास्थ्य संस्था नै रहल १ सओ ३० वाडमे आधारभूत स्वास्थ्य सेवा केन्द्र भवन निर्माणक लेल रकम निकासा कएल गेल आ नर्सके न्यूनतम तलब २७ हजार ७ सओ ८४ कायम कएल गेल उल्लेख केलैन अइछ । जेनजी आन्दोलनक बाद प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीके नेतृत्वमे बनल सरकारमे डा. गौतम स्वास्थ्यमन्त्रीके रुपमे करिब पाँच महिना काज केलैन । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय