सिरहा, ११ चैतः प्रहरी गोलबजार नगरपालिकासँ अवैध लागुऔषध ब्राउन सुगरसहित दू गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अइछ ।
गोलबजार नगरपालिका–५ निवासी २५ वर्षक अनिल चौधरी आ लहान नगरपालिका–१ भाइरलबाबा टोल स्थायी घर भेल तथा हाल गोलबजार–४ निपानेस्थित सासुरमे रहैत आएल ३३ वर्षक बलिराम महतोकेँ गिरफ्तार कएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ ।
सोमदिन राइत गोलबजार–४ निपाने टोलस्थित पूर्व–पश्चिम लोकमार्ग सड़क कातमे लागुऔषध बिक्री वितरण भ रहल गोप्य सूचनाक आधारमे इलाका प्रहरी कार्यालय गोलबजार आ लागुऔषध नियन्त्रण ब्यूरो शाखा कार्यालय गोलबजारके संयुक्त टोली परिचालन कएल गेल छल ।
प्रहरी टोली शङ्कास्पद अवस्थामे रहल अनिल चौधरीकेँ नियन्त्रणमे ल खानतलासी कएलापर चौधरीके ज्याकेटसँ एक ग्राम ब्राउन सुगर बरामद कएल गेल छल । पुछताछके क्रममे चौधरी उक्त पदार्थ बलिराम महतो बिक्री करबाक लेल देने बयान देने छलैन ।
चौधरीके बयानक आधारमे प्रहरी टोली बलिराम महतोके निपानेस्थित सासुर घरमे खानतलासी कएलापर दराजमे नुका क राखल गेल अवस्थामे १० ग्राम २ सओ ५० मिलिग्राम ब्राउन सुगर बरामद कएल गेल जिला प्रहरी कार्यालय सिरहा जनौलक अइछ ।
प्रहरी महतोसँ नगद २० हजार ३ सओ १० टका, ओप्पो मोबाइल एकटा, सिगरेट पाँचटा, लाइटर दूटा आ ब्लेडके टुक्रा दूटा सेहो बरामद केलक अइछ । दूनु गोटेसँ जमा ११ ग्राम २ सओ ५० मिलिग्राम ब्राउन सुगर बरामद कएल गेल आ ओकरासभकेँ इलाका प्रहरी कार्यालय गोलबजारमे राइख थप अनुसन्धान भ रहल सूचना अधिकारी एवं प्रहरी नायब उपरीक्षक रमेश बहादुर पाल जानकारी देलैन । रासस





