इनरुवा (सुनसरी), १६ चैतः सुनसरीके इटहरी उपमहानगरपालिका–१३ काली मन्दिर लग मोटरसाइकल दुर्घटना भेलासँ एक गोटेक मृत्यु भेल अइछ ।
दुर्घटनामे दुहबी नगरपालिका–९ का २२ वर्षक विपीन चौधरीके मृत्यु भेल सुनसरीके प्रहरी नायब उपरीक्षक चन्द्र बहादुर खड्का जानकारी देलैन । बितल राइत प्र १–०२–०४८ प ७९३८ नम्बरके मोटरसाइकल दुर्घटना भेलासँ पाछु सवार विपीन गम्भीर घायल भेल छलैन । घायल विपिनके इलाजक क्रममे मृत्यु भेल प्रहरी जनौलक अइछ ।
दुर्घटनामे मोटरसाइकल चालक दुहबी–९ के २२ वर्षक विप्लव चौधरी सामान्य घायल भेल छैथ । हुनक इलाज भ रहल भ रहल जिला प्रहरी कार्यालय सुनसरी जनौलक अइछ । मोटरसाइकल तीव्रगतिके कारण दुर्घटना भेल आ घटनाक विषयमे थप अनुसन्धान भ रहल प्रहरी जनौलक अइछ ।रासस





