काठमाण्डू, १६ चैतः प्रधानमन्त्री बालेन्द्र शाह सङ्घीय सांसदसभसँ चरणबद्ध परामर्श सुरु केलैन अइछ । आइ सिंहदरबारमे कोशी आ कर्णाली प्रदेशसँ प्रतिनिधित्व करैबला विभिन्न राजनीतिक दलक सांसदसभसँ ओ परामर्श केलैन ।
प्रधानमन्त्री शाह सम्बन्धित क्षेत्रक समस्या आ मुद्दा तथा काज क सकबाक सम्भावनाके बारेमे सांसदसभसँ परामर्श कएने राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीके सांसद अशोक कुमार चौधरी राससकेँ जानकारी देलैन । “प्रधानमन्त्री क्षेत्रगत विषयमे भेल समस्याके क्षेत्रगत रूपमे ‘ब्रिफिङ’ लेलैन । तत्काल करैबला काजक बारेमे सेहो ओ जानकारी लेलैन”, सांसद चौधरी कहलैन ।
प्रत्येक सांसद क्षेत्रगत रूपमे अपन–अपन समस्या सुनौने सांसद चौधरी जानकारी देलैन । सांसद चौधरी हम ट्रेड युनियनसभ उठाइब रहल लेबी शुल्क रोकबाक लेल श्रम ऐन, २०७४ के दफा ३८ (ज) संशोधन करबाक बारेमे ध्यानाकर्षण करौने बतौलैन । रासस





