अगिला बजेट सन्तुलित आओतः प्रधानमन्त्री शाह


काठमाण्डू, १७ चैतः प्रधानमन्त्री बालेन्द्र शाह अगिला आर्थिक वर्षके बजेट सन्तुलित बनेबाक बतौलैन अइछ ।

सिंहदरबारस्थित प्रधानमन्त्री कार्यालयमे सोमदिन कर्णाली प्रदेशक सङ्घीय सांसदसभसँ भेल परामर्शमे ओ बजेटमार्फत कर्णाली प्रदेशकेँ न्यायोचित सम्बोधन करबाक विश्वास दियोलैन । “कर्णालीकेँ अगिला बजेटमे न्यायोचित सम्बोधन कएल जाएत, बजेट सन्तुलित हएत”, प्रधानमन्त्री शाहके कहब उद्धृत करैत परामर्शमे सहभागी सल्यान क्षेत्र नं. १ के सांसद रमेश मल्ल बतौलैन । परामर्शमे प्रधानमन्त्री शाह सरकार अइ साल शासकीय सुधारमे केन्द्रित रहबाक बतौने छलैन ।

नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके दिससँ निर्वाचित सांसद मल्ल प्रधानमन्त्रीसँ भेल परामर्श अगिला आर्थिक वर्ष २०८३/०८४ के बजेटमे केन्द्रित रहल राससकेँ जानकारी देलैन । परामर्शमे सहभागी सांसदसभ अगिला सालके बजेटमे कर्णालीकेँ पहिल प्राथमिकतामे राखए, प्रदेशक शासकीय सुधार तथा भौतिक पूर्वाधार निर्माणलगायत बारेमे प्रधानमन्त्रीके ध्यानाकर्षण करौने छलैन ।

“जाजरकोट भूकम्पके बाद राहत तथा पुनर्निर्माण, मनसुनपूर्व तैयारी, कर्णाली, भेरी, राप्तीलगायत विभिन्न सड़क करिडोर तथा मध्यपहाड़ी, मदनभण्डारी, लुम्बिनी–रारालगायत लोकमार्ग तथा सड़क पूर्वाधार, स्वास्थ्य बीमा, मातृ–शिशु पोषण, दैलेखके पेट्रोलियम खानी अनुसन्धान, वन्यजन्तुसँ होएबला जोखिम व्यवस्थापनके सङे सञ्चार, विद्युत्, खानेपानी, सिँचाइ, कृषि, वन, पर्यटन, शिक्षा क्षेत्रका प्राथमिकताके बारेमे प्रधानमन्त्रीसँ बात राखने छलौँ”, सांसद मल्ल कहलैन ।

परामर्शमे कर्णाली प्रदेशसँ प्रतिनिधि सभामे प्रतिनिधित्व करैबला नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले), नेपाली कांग्रेस आ राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीके सांसदसभ सहभागी छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय