आब लहानमे क्यान्सरसम्बन्धी विशेषज्ञ सेवा


सिरहा, १७ चैतः लहानस्थित राम कुमार सारडा उमा प्रसाद मुरारका प्रादेशिक अस्पतालमे आब क्यान्सर रोगसम्बन्धी विशेषज्ञ सेवा सञ्चालन हएत ।

अस्पताल व्यवस्थापन समितिक अध्यक्ष राम नारायण मेहताके विशेष पहलमे अस्पताल नियमित रूपमे क्यान्सरके इलाज तथा परामर्श सेवा प्रदान करबाक निर्णय केलक अइछ । अस्पताल अनुसार विराटनगरस्थित विराट टिचिङ अस्पतालमे कार्यरत आ भारतक प्रतिष्ठित एम्स अस्पतालमे सेवा प्रवाह क चुकल अनुभवी क्यान्सर रोग विशेषज्ञ डा. धीरज गुप्ताद्वारा लहानमे सेवा प्रदान कएल जाएत । अस्पताल आ डा. गुप्ताबीच सोमदिन भेल सहमति अनुसार प्रत्येक महिनाके दोसर हप्ताके सोमदिन भोर १० बजेसँ साँझ ५ बजेधैर बेमारीसभकेँ विशेषज्ञ सेवा देल जाएत ।

अस्पताल सुधार आ सेवा विस्तार हमर प्राथमिकतामे रहल अध्यक्ष मेहता बतौलैन । ओ कहलैन, “हमसभ अस्पतालक समग्र व्यवस्थापन सुधार करैत सेवा विस्तारकेँ मुख्य प्राथमिकता देने छी । जग्गा नामकरणके प्रक्रिया समाप्त भेलाक बाद संरचनात्मक आ सेवागत सुधारमे तीव्रता आएल छै ।” रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय