सर्वदलीय बैसार बुधदिन


काठमाण्डू, १७ चैतः सङ्घीय संसद सचिवालय संसदक अधिवेशन आह्वान भेलाक बाद ओइके तैयारी लेल सर्वदलीय बैसार आह्वान केलक अइछ ।

संसदमे प्रतिनिधित्व करैबला सब दलकेँ काइल (बुधदिन) दुपहर १ः०० बजे सर्वदलीय बैसारक लेल आमन्त्रण कएल गेल संसद सचिवालयके प्रवक्ता एकराम गिरी राससकेँ जानकारी देलैन ।

राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल मन्त्रिपरिषदक चैत १६ गतेके सिफारिसअनुसार इएह चैत १९ गते दुपहर २ः०० बजे सङ्घीय संसदक दूनु सदनके अधिवेशन आह्वान केलैन अइछ ।

बैसारसँ सभामुख आ उपसभामुखके निर्वाचन प्रक्रिया आगु बढ़ाएल जाएत । प्रतिनिधि सभामे राष्ट्रिय मान्यता प्राप्त छटा राजनीतिक दलके सहभागिता अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय