काठमाण्डू, १८ चैतः स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रालय १४ गोटे चिकित्सकके काज फिर्ता केलक अइछ ।
डडेलधुरा अस्पताल, नारायणी अस्पताल वीरगञ्ज आ गजेन्द्रनारायण सिंह अस्पताल सप्तरीमे दरबन्दी भेल मुदा, दोसर ठाम काज क रहल १४ गोटे चिकित्सकके काज फिर्ता कएल गेल मन्त्रालयके प्रवक्ता डा. प्रकाश बुढाथोकी जानकारी देलैन ।
हुनक कहब अनुसार स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्यामन्त्री निशा मेहता मन्त्रिस्तरीय निर्णय करैत पहिल चरणमे ९म आ १०म तहके १४ गोटे विशेषज्ञ चिकित्सककेँ ओकरासभक दरबन्दी कायम रहल अस्पतालमे फिर्ता पठौलैन अइछ ।
डडेलधुरा अस्पतालमे चाइर गोटे, नारायणी अस्पताल वीरगञ्जमे पाँच गोटे आ गजेन्द्रनारायण सिंह अस्पताल राजविराज सप्तरीमे पाँच गोटे विशेषज्ञ चिकित्सक फिर्ता भेल छैथ ।
गजेन्द्रनारायण सिंह अस्पताल राजविराजमे डा. रोहिता बज्राचार्य, डा. जोसन लाल बज्राचार्य, डा. विशाल कुमार देव, डा. प्रकाश ढकाल आ डा. सुशील समदर्शीके काज फिर्ता कएल गेल अइछ ।
तहिना, डडेल्धुरा अस्पतालमे डा. सन्तोष कुमार गुप्ता, डा. मिसन्ता शर्मा, डा. नवीन चन्द्र भट्ट, डा. सुयोग्य वाग्ले तथा नारायणी अस्पताल वीरगञ्जमे डा. सोनीका धरी श्रेष्ठ, डा. सञ्जोग तिमिल्सिना, डा. अरुण ज्ञवाली, डा. मुकेश पौडेल आ डा. दिपेश भट्टराईके काज फिर्ता कएल गेल अइछ । (रासस)





