हवाई इन्धनके दाम बढ़ल


काठमाण्डू, १८ चैतः नेपाल आयल निगम हवाई इन्धनके दाम वृद्धि केलक अइछ ।

निगम सञ्चालक समितिके बैसारसँ हवाई इन्धन आन्तरिकदिस प्रतिलिटर एक सओ २४ टकासँ वृद्धि कएल गेल अइछ । साविकमे प्रतिलिटर एक सओ २७ टका रहल आन्तरिकदिसके हवाई इन्धन वृद्धि भेलाक बाद प्रतिलिटर दू सओ ५१ टका कायम भेल अइछ ।

तहिना, हवाई इन्धन अन्तर्राष्ट्रियदिस प्रतिकिलोमिटर आठ सओ १९ अमेरिकी डलर वृद्धि कएल गेल अइछ । परिमार्जित दाम अनुसार काठमाण्डूमे प्रतिलिकिलोटर नौ सओ ६६ अमेरिकी डलर छल, जे वृद्धि भेलाक बाद आब एक हजार सात सओ ८५ अमेरिकी डलर कायम भेल अइछ । दोसर मूल्य समायोजन नै भेलाधैर पेट्रोल, डिजल, मट्टितेल आ खाना बनाबैबला एलपी ग्यासके साविकके दाम कायम राखल गेल निगम जनौलक अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय