एक सालमे सात हजार पाँच सओ विपदके घटना


काठमाण्डू, २५ चैतः राष्ट्रिय विपद जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण अनुसार एक सालमे देशभैर सात हजार पाँच सओ ४७ विपदके घटना भेल अइछ । विपदके कारण १३ हजार पाँच सओ चाइर परिवार प्रत्यक्ष रुपमे प्रभावित भेल अइछ ।

बाइढ, भूस्खलन, भारी वर्षा, ठन्का, हावा बिहाइ, हिम भूस्खलन जेहन विपद आ विपदजन्य घटनाके कारण पैघ जानमालके क्षति होइत आएल अइछ ।

लगभग एक सालके अवधिमे तीन हजार छ सओ ५२ टा आइगलागीके घटना भेल अइछ । आइगलगीमे एक सओ चाइर गोटेके मृत्यु भेल अइछ । पाँच सओ ६३ गोटे घायल भेल अइछ, तँ चाइर हजार एक सओ ८२ परिवार प्रत्यक्ष रुपमे पीड़ित भेल अइछ ।

बाइढ़क तीन सओ २८ घटना भेलापर ३९ गोटेके मृत्यु भेल अइछ । बाइढ़के कारण २७ गोटे बेपत्ता भेल अइछ, तँ १४ गोटे घायल भेल अइछ । प्राधिकरण अनुसार ६ सओ २१ टा भूस्खलनके घटना भेल अइछ । जइमे ७६ गोटेके मृत्यु भेल अइछ । तहिना, वर्षाके चाइर सओ ४६ घटना भेल अइछ । जइमे सात गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ २० गोटे घायल भेल अइछ ।

तहिना, चाइर सओ १९ टा ठन्काके घटना भेल अइछ । जइमे ४८ गोटेके मृत्यु भेल अइछ । जमा तीन सओ १२ गोटे घायल भेल अइछ, तँ पाँच सओ २२ परिवार प्रत्यक्ष रुपमे प्रभावित भेल अइछ । हावाबिहाइरके चाइर सओ ७७, जंगलमे आइगलगीके तीन सओ २४, जानवरक आक्रमणके पाँच सओ नौटा घटना भेल अइछ ।

प्राधिकरण अनुसार ई विवरण बितल वैशाख १ गतेसँ इएह चैत २४ गतेधैरके अइछ । एक सालके अवधिमे विपदके कारण चाइर सओ ९० गोटेके मृत्यु भेल अइछ, तँ ३८ गोटे बेपत्ता भेल अइछ । विपदके कारण एक हजार नौ सओ ६५ गोटे घायल भेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय