काठमाण्डू । प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारमे सांसदसभ विशेष अवस्थामे निर्वाचनसँ विजयी भेल दल आ सरकार जनताकेँ सुशासन देबाक चाही ताहिपर जोड़ देने छैथ।
सभाकक विशेष समयमे दलीय आधारमे बाजैत राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीक लीमा अधिकारी नवका सरकारद्वारा कएल गेल सुधारात्मक काजक प्रशंसा करैत समग्र आर्थिक विकासक नवका आयाम देबामे सरकार सफल होएबाक चाही से बतौलैन। ओ कहलैन जे आब जनताकेँ आश्वासन आओर भागबण्डा नै डेलिभरी चाही, तेँ ओइ अनुसार सबकेँ काज करबाक चाही।
रास्वपाके जगदीश खरेल सुशीला कार्की नेतृत्वके सरकार आ जेनजी समूह बीच भेल सम्झौताक अक्षरशः पालना होबाक चाही से बतौलैन। रास्वपेके समीक्षा बास्कोटा उच्च सम्भावना भेल कर्णाली प्रदेशकेँ उपेक्षामे नै राखबाक आग्रह केलैन।
नेपाली कांग्रेसक जनकराज गिरी जमुनासँ हिल्सा होइत मानसरोवर तकके त्रिदेशीय मार्गकेँ स्तरोन्नति क सकलापर बाजुराक पर्यटन, रोजगारी आ स्थानीय उत्पादन वृद्धि होबाक बतौलैन। कांग्रेसक सन्दीप राना खेतीयोग्य जमीनमे सिँचाइक अभावक समस्याकेँ समाधान करबाक आग्रह केलैन।
एमालेक साजिदा खातुन सिद्धिकी गौरीबहादुर कार्की आयोगक प्रतिवेदन पूर्वाग्रही भेल आ एमालेक अध्यक्ष एवम् पूर्व प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली तथा कांग्रेसक नेता एवम् पूर्व गृहमन्त्री रमेश लेखककेँ विधि विपरीत हिरासतमे लेल गेल आरोप लगौलैन।
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा) क महेन्द्रबहादुर शाही देशक अर्थतन्त्रमे बिचौलिया आ नवउदारवाद हावी भेल तथा वैदेशिक कर्जामे निर्भरता कायम रहलासँ आब आत्मनिर्भर अर्थतन्त्र विकासमे जोड़ देबाक चाही से कहलैन।
श्रम संस्कृति पार्टीक रुवी कुमारी मधेश प्रदेशमे ‘दहेज’ आ युवासभक बेरोजगारीक समस्याक समाधान आ किसानक लेल सिँचाइ, मल आओर उचित सुविधा देबाक आग्रह केलैन। (रासस)





