लागुऔषधसहित ८ गोटे गिरफ्तार


काठमाण्डू, १ वैशाखः काठमाण्डू उपत्यकाके विभिन्न स्थानसँ अवैध लागुऔषधसहित ८ गोटेकेँ गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

गिरफ्तार कएल गेल ओकरासभसँ ब्राउन सुगर २ सओ २४ ग्राम आ अफिम ५२ ग्राम बरामद कएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ ।

लागुऔषध ब्युरो कोटेश्वरसँ खटल प्रहरी झापा गौरीगञ्ज गाउँपालिका–३ घर भेल २४ वर्षक सुरज दाहाल, रामेछाप लिखु तामाकोसी गाउँपालिका–६ घर भेल २६ वर्षक ईश्वर खत्री आ काठमाण्डू महानगरपालिका ३० घर भेल ४५ वर्षक अर्विन प्रधानकेँ ३१ ग्राम ८ सओ मिलिग्राम ब्राउन सुगरसहित गिरफ्तार केलक अइछ ।

तहिना, दोलखा शैलुङ गाउँपालिका–२ घर भेल ३६ वर्षक सुकमान तामाङ, काभ्रे नमोबुद्ध नगरपालिका–२ घर भेल २९ वर्षक पवन लामा, कास्की घर भेल ४८ वर्षक रोहित बहादुर राना आ पर्साके ठोरी गाउँपालिका–४ घर भेल ३५ वर्षक विशाल विककेँ ९८ ग्राम ७ सओ ६० मिलिग्राम ब्राउन सुगरसहित गिरफ्तार कएल गेल अइछ ।

तहिना, त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलके आगमन टनेल गेटसँ अवैध लागुऔषध करिब दू किलो ९ सओ ६० ग्राम गाँजासहित एक गोटे भारतीय नागरिककेँ गिरफ्तार कएल गेल प्रहरी जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय