काठमाण्डू, १ वैशाखः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह नयाँ साल २०८३ के अवसरमे पूर्ण निष्ठासँ राष्ट्र निर्माणमे अपन–अपन जिमेवारी पूरा करू कहैत शुभकामना व्यक्त केलैन अइछ ।
नयाँ सालके शुभारम्भ भेल अवसरमे प्रधानमन्त्री शाह स्वदेश तथा विदेशमे रहल सम्पूर्ण नेपालीमे सुख, शान्ति आ समृद्धिके कामना करैत उक्त शुभकामना व्यक्त केलैन ।
“नयाँ साल अपनासभक जीवनमे सकारात्मक ऊर्जा आ राष्ट्रप्रतिके नवीन प्रतिबद्धता ल क आएल छै,” सामाजिक सञ्जाल फेसबुकमे प्रधानमन्त्री शाह लिखने छैथ, “आऊ, अपनासभ मिल क आपसी सद्भाव कायम राखु आ पूर्ण निष्ठासँ राष्ट्र निर्माणमे अपन–अपन जिमेवारी पूरा करु ।” (रासस)





