राससक अध्यक्ष रानामगरद्वारा पद बहाली


राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस)
काठमाण्डू, ३ वैशाख : राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) क सञ्चालक समितिक नवनियुक्त अध्यक्ष उदयबहादुर रानामगर आइ पद बहाली कएने छैथ।

समितिक रिक्त अध्यक्षमे सञ्चार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालय वैशाख २ गतेक निर्णय अनुसार सहसचिव रानामगरकेँ दोसर व्यवस्था नै भेलाधैर बोर्डक अध्यक्ष तोकल गेल अइछ। अध्यक्ष रानामगर आइ रासस केन्द्रीय कार्यालय, भद्रकालीस्थित कार्यालयमे पद बहाली केलैन । हुनका राससक महाप्रबन्धक सन्दीप राई आ विभागीय प्रमुख सहित स्वागत केलैन।

अध्यक्ष रानामगर नवका सरकारक ‘स्पिरिट’ अनुसार जनता परिवर्तनक अनुभूति करए तेहन काज करबाक लेल निर्देशन देलैन। ओ सब पदाधिकारी आ हरेक कर्मचारीक कार्य विवरण तैयार क मूल्याङ्कन प्रणाली निर्माण करबाक लेल आग्रह केलैन। अध्यक्ष रानामगर रासस अपन टाङपर अपने ठाढ़ भ सकएबला स्थिति आनय लेल आग्रह करैत मन्त्रालयमे हमसभ हरेक दिन दू टा नवका प्रगति विवरण द रहल स्मरण करौलैन।

अध्यक्ष रानामगर देश बिगाड़ैबला कर्मचारी सेहो छियै, से गलत भाष्य सृजना भेलासँ ओकरा हटाबै लेल हरेक कर्मचारी अपन आपकेँ बदलए पड़त ओ बतौलैन। परिणाममूलक काज कएलाक बाद मात्रे सेवा सुविधाक बारेमे बात उठेबाक लेल हुनक आग्रह छल। अध्यक्ष रानामगर अपन पूर्णकालीन अध्यक्ष नै भेलाक कारण नियमित काज करयबला समूहे राससकेँ चलाओत से संस्थाकेँ सामूहिक निर्णय प्रणालीमे ल जाएब आ नीतिगत समस्या हटेबामे सहयोग करबाक बतौलैन।

अध्यक्ष रानामगरकेँ राससक प्रबन्ध सम्पादक उत्तम सिल्वाल, प्रमुख समाचारदाता एकराज पाठक, प्रधानसम्पादक एवम् प्रशासन प्रमुख शीतल प्रसाद महतो सहित समाचार उत्पादन, गुणस्तर वृद्धि, सेवाग्राही आ व्यवस्थापकीय सवालमे जानकारी करौने छल।

कार्यक्रममे राससक सञ्चालक समिति सदस्यद्वय रवीन्द्र प्रसाद पौडेल आ कृष्ण अधिकारी सहभागी छल।

वि.सं. २०३१मे नुवाकोटक बेलकोटगढी नगरपालिका–१२मे जन्मल रानामगर वि.सं. २०५६ सँ निजामती सेवामे प्रवेश कएने छैथ। अर्थशास्त्रमे विद्यावारिधि कएने ओ जापानसँ स्नातकोत्तर कएने छैथ। सरकारी सेवाक क्रममे गृह प्रशासनक सङे हङकङके महावाणिज्यदूत भ चुकल रानामगरके अनुसन्धानमूलक पुस्तक सेहो प्रकाशित अइछ।

राससक अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा बितल चैत १६ गते राजीनामा देने छलैथ जे चैत २२ गतेक मन्त्रिपरिषद् बैसारद्वारा स्वीकृत कएल गेल छल।

ताजा खबर
लोकप्रिय