प्रधानमन्त्रीद्वारा आइ सातो प्रदेशक मुख्यमन्त्रीसँ परामर्श


काठमाण्डू, ३ वैशाखः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह आइ सातो प्रदेशक मुख्यमन्त्रीसँ परामर्श करए लागल छैथ । प्रधानमन्त्रीके सचिवालय अनुसार कार्यभार सम्हारलाक बाद पहिल बेर प्रधानमन्त्री करए लागल परामर्शमे सङ्घ आ प्रदेश सरकारसँ सम्बन्धित विविध महत्त्वपूर्ण आ गहन विषयमे बातचित हएत ।

दुपहर २ः०० बजे सिंहदरबारस्थित प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालयमे हुअबला परामर्शकेँ सङ्घ–प्रदेश समवंयकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक महत्त्वपूर्ण पहलके रूपमे सेहो देखल गेल अइछ ।

विकास–निर्माणक काजकेँ तीव्रता देबाक, स्रोतसाधनके समुचित बाँटफाँट सुनिश्चित करबाक तथा प्रदेशसभ भोइग रहल विभिन्न प्रशासनिक आ आर्थिक समस्यासभ समाधान करबाक विषयमे परामर्श केन्द्रित रहत ।

तहिना, राष्ट्रिय प्राथमिकताक योजनाकेँ प्रभावकारी रूपमे कार्यावंयन करबाक लेल केन्द्र आ प्रदेश बीचक सहकार्यकेँ आओर सुदृढ़ बनेबाक विषय परामर्शके मुख्य ‘एजेण्डा’ रहत ।

देशक वर्तमान आर्थिक अवस्था, पूर्वाधार विकास, सेवा प्रवाहमे सुधार तथा सुशासन कायम करबाक विषयमे सझिया समझदारी निर्माण करबाक प्रयासके बारेमे सेहो परामर्श होबाक अपेक्षा कएल गेल अइछ ।

सङ्घीयता कार्यावंयनकेँ आओर प्रभावकारी बनेबाक आ जनताकेँ प्रत्यक्ष लाभान्वित करेबाक महत्त्वपूर्ण कदमके रूपमे अइ परामर्शकेँ लेल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय