राजस्व चुक्ता कएल २४ घण्टामे लाइसेन्स छपाइ सुरू


काभ्रेपलाञ्चोक, ४ वैशाखः सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री डा बिक्रम तिमिल्सिना काभ्रेके पनौती नगरपालिका–५ स्थित सुरक्षण मुद्रण केन्द्र्र पहुँच क सवारी चालक अनुमतिपत्र (लाइसेन्स) छपाइके अवस्थाबारे स्थलगत जानकारी लेलक अइछ ।

केन्द्रके निरीक्षणक क्रममे सञ्चारमन्त्री डा तिमिल्सिना सरकार सार्वजनिक सेवा प्रवाह सुधारकेँ प्राथमिकता देलासँ ट्रायल पास कएल लम्बा समयधैर लाइसेन्स नै प्राप्त भेल स्थितिके अन्त क रहल बतौलैन ।

सङे राजस्व चुक्ता कएल २४ घण्टाभित्र लाइसेन्स छपाए क हस्तान्तरण कएल जेबाक व्यवस्था आइएसँ कार्यान्वयनमे आएल ओ जानकारी देलैन । सञ्चारमन्त्री डा तिमिल्सिना लाइसेन्स छपाइ प्रक्रियाकेँ तीव्र बनाबैत सब बाँकी लाइसेन्स अगिला अखार महिनाभित्र छापल जेबाक लक्ष्य रहल बतौलैन ।

मन्त्री डा तिमिल्सिना केन्द्रमे रहल उपकरणके प्रभावकारी ढंगसँ उपयोग करबाक निर्देशन दैत महग उपकरणसभ सालोसँ प्रयोगविहीन रहलप्रति असन्तुष्टि केलैन । करिब एक अरबके उपकरण, जेनेरेटरसहित सामग्री प्रयोगमे अनबाक चाही से कहलैन । तीन सालसँ जाम रहल मेसिनसभ अखन सञ्चालन करैत आ छपाइ सम्भव भेल अवस्थामे विगतमे किए काज नै भेलै सेहो प्रश्न ओ उठाैलैन ।

नागरिकके डाटा सुरक्षाकेँ देबाक लेल निर्देशन दैत सरकार जनताके हितमे मात्र सञ्चालन हेत से स्पष्ट केलैन ।

सुरक्षित मुद्रण केन्द्रक कार्यकारी निर्देशक देवराज ढुंगाना अनुसार हाल दैनिक करिब ४० हजार हाराहारी लाइसेन्स छपाइ भ रहल अइछ । विदेश जाएबला नेपाली नागरिकके लेल आवश्यक लाइसेन्सकेँ प्राथमिकतामे राखल गेल आ यातायात व्यवस्था विभागसँ दैनिक एक हजार आवेदन प्राप्त भ रहल ओ जानकारी देलैन । इएह वैशाख १२ गतेभित्र १२ लाख आ बाँकी १७ लाख लाइसेन्स अखार महिनाधैर छापल जेबाक हुनकर कहब छैन ।

उक्त अवसरमे सांसदसभ मधु कुमार चौलागाईं, डा राम लामा, बदन कुमार भण्डारीसहितके उपस्थिति छल । मन्त्री डा तिमिल्सिना केन्द्रके भौतिक पूर्वाधार, मेसिनरी तथा खाली भवनके अवस्थाबारे सेहो जानकारी लेने छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय