अभिव्यक्ति स्वतन्त्रताके नाममे गैरजिमेवार सामग्री सम्प्रेषण अक्षम्यः सञ्चारमन्त्री तिमिल्सिना


नुवाकोट, ६ वैशाखः सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री डा. विक्रम तिमिल्सिना अभिव्यक्ति स्वतन्त्रताके नाममे भ्रामक तथा गैरजिमेवार सामग्री सम्प्रेषण नै करबाक लेल सञ्चारमाध्यम एवं सामाजिक सञ्जाल प्रयोगकर्ताकेँ आग्रह केलैन अइछ ।

आइ विदुर नगरपालिकाके बट्टारमे आयोजित पत्रकार भेटघाट कार्यक्रममे ओ सञ्चार जगतके जिमेवार एवं आत्मअनुशासित भ क काज करबाक चाही बतौलैन । राज्यके चारिम अङ्गके रूपमे रहल सञ्चार जगत विधिविधान आ आचारसंहिता परिपालनमे गम्भीर होबाक चाही मन्त्री तिमिल्सिनाके कहब छलैन ।

सरकार पूर्ण प्रेस स्वतन्त्रता तथा व्यावसायिक पत्रकारिताकेँ प्रवर्द्धन करैत श्रमजीवि पत्रकारके हितमे काज करबाक सञ्चारमन्त्री डा. तिमिल्सिना बतौलैन । विज्ञापन तथा सूचना प्रकाशन/प्रसारणमे पारदर्शीता आनए, मितव्ययिता कायम करए आ सरकारी सञ्चारमाध्यमके प्रवर्द्धनक लेल विज्ञापन नीतिमे किछ नयाँ व्यवस्था कार्यावंयनमे आनल गेल सञ्चारमन्त्री डा. तिमिल्सिना उल्लेख केलैन ।

सेवा प्रवाहकेँ सहज बनेबाक लेल सूचना आ प्रविधिके अधिकतम प्रयोग करबाक सरकारक योजना रहल ओ जानकारी देलैन । युवाके विदेश जेबाक बाध्यता अन्त्य करबाक लेल देश भीतरके वातावरण सुधार करबाक, देशकेँ रहबाक योग्य बनेबाक आ अवसर सिर्जना करबाक लक्ष्यसहित काज भ रहल सञ्चारमन्त्री डा. तिमिल्सिना उल्लेख केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय