प्रधानमन्त्री शाहद्वारा विश्वविद्यालय आ प्रतिष्ठानके उपकुलपतिसँ परामर्श


काठमाण्डू, ७ वैशाखः प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह आइ विश्वविद्यालय आ प्रतिष्ठानक उपकुलपतिसभसँ परामर्श करए लागल छैथ । बैसार आइ दुपहर १२ः०० बजे प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयमे हएत ।

प्रधानमन्त्री कुलपति रहल ११ विश्वविद्यालय आ सातटा प्रतिष्ठानक उपकुलपतिसभकेँ परामर्शमे बजाओल गेल प्रधानमन्त्रीके सचिवालय जनौलक अइछ ।

बैसारमे विशेष क विश्वविद्यालय आ प्रतिष्ठानसभक समसामयिक समस्या आ समाधानक उपायसभक बारेमे विमर्श हएत । तहिना, तत्काल समाधान कएल जाएबला समस्याके बारेमे सेहो परामर्श हएत ।

सचिवालय अनुसार बैसारमे त्रिभुवन विश्वविद्यालय आ काठमाण्डू विश्वविद्यालय, पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालय, पोखरा विश्वविद्यालय आ लुम्बिनी बौद्ध विश्वविद्यालयके उपकुलपतिसभक उपस्थिति रहत ।

नेपाल संस्कृत विश्वविद्यालय, सुदूरपश्चिमाञ्चल विश्वविद्यालय आ मध्यपश्चिमाञ्चल विश्वविद्यालयके उपकुलपति सेहो परामर्शमे सहभागी होबाक बताओल गेल अइछ ।

तहिना, कृषि तथा वनविज्ञान विश्वविद्यालय, राजर्षि जनक विश्वविद्यालय आ शहीद दशरथ चन्द स्वास्थ्य विज्ञान विश्वविद्यालयके उपकुलपतिसभसँ सेहो प्रधानमन्त्री शाहके बातचित करबाक कार्यक्रम रहल सचिवालय जनौलक अइछ ।

तहिना, नेपाल विज्ञान तथा प्रविधि प्रज्ञा प्रतिष्ठान (नास्ट), चिकित्सा विज्ञान राष्ट्रिय प्रतिष्ठान, पाटन स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान, बिपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानक उपकुलपतिसभसँ सेहो हुनक परामर्श करबाक कार्यक्रम छैन ।

तहिना, कर्णाली स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान, पोखरा स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान आ राप्ती स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानक उपकुलपतिसभसँ सेहो प्रधानमन्त्री शाह परामर्श करए लागल छैथ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय