दुर्लभ राजगोमन साँपक उद्धार


धनुषा, ७ वैशाख: महोत्तरीके बर्दिबास नगरपालिका–३ राजाबास गामसँ करिब ११ फिट लम्बा आ लगभग छ किलो तौल भेल दुर्लभ राजगोमन साँपके उद्धार क सुरक्षित रूपमे प्राकृतिक बासस्थानमे छोड़ल गेल अइछ ।

जारैनमे नुकाएल अवस्थामे उक्त साँप भेटल छल । मिथिला वाइल्ड लाइफ ट्रस्टके अध्यक्ष देवनारायण मण्डलके कहब अनुसार ट्रस्टके सुवोध आचार्य, गौतम मण्डल तथा सबडिभिजन वन कार्यालय लालगढके संयुक्त टोली साँपकेँ सुरक्षित रूपमे नियन्त्रणमे लेने छल ।

उद्धारक बाद साँपकेँ लगके सामुदायिक वन क्षेत्रमे पुनःस्थापन कएल गेल अइछ । अध्यक्ष मण्डलके कहब अनुसार चुरे क्षेत्र राजगोमन साँपके प्राकृतिक बासस्थान भेलासँ ओएह वातावरणमे छोड़ल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय