सम्पत्ति विवरण बारेमे गृहमन्त्री गुरुङके स्पष्टोक्ति


काठमाण्डू, ७ वैशाखः गृहमन्त्री सुधन गुरुङ २५ लाख टका सेयरके विषयमे अपन सम्पत्ति विवरणमे उल्लेख कएने स्पष्ट केलैन अइछ ।

अपन सम्पत्ति विवरणके बारेमे विभिन्न सञ्चारमाध्यममे कएल गेल टिकाटिप्पणीके बारेमे स्पष्ट करैत मन्त्री गुरुङ ओइ सम्बन्धी विवरण मन्त्रिपरिषदक वेबसाइटमे देखए सकबाक बतौलैन ।

मन्त्री गुरुङके सचिवालय उक्त विषयमे प्रष्ट करैत कहने अइछ, “सब सेयर एक समान नै होइत छै । धितोपत्र बजारमे कारोबार हुअबला सेयर दू करोड़ टकासँ बेसी लगानी रहल सम्पत्ति विवरणमे स्ष्ट छै ।”

तहिना, स्टार माइक्रो इन्स्योरेन्स आ लिबर्टी माइक्रोमे भेल लगानी सेहो इएह समूहमे समेटल गेल मन्त्री गुरुङके सचिवालयद्वारा स्पष्ट कएल गेल अइछ । मन्त्री बनएसँ पहिने सेयर खरिद कएने कहि नकारात्मक धारणा बनौनेप्रति असहमति व्यक्त करैत ओ सेयर लगानी केनाइ अपराध नै भेल बतौलैन । तहिना, कारोबार बैङ्किङ च्यानलमार्फत भेल आ बैङ्कसँ गेल रकमके सब हिसाब स्पष्ट रहल ओ बतौलैन । (रासस)
–––

ताजा खबर
लोकप्रिय