मन्त्रिपरिषद निर्णयः प्रहरी प्रतिष्ठान स्थानान्तरण नै हएत


\
काठमाण्डू, १० वैशाखः सरकार महाराजगञ्जस्थित राष्ट्रिय प्रहरी प्रक्षिण प्रतिष्ठान स्थानान्तण नै करबाक निर्णय केलक अइछ ।

मन्त्रिपरिषदक आइ भेल बैसारसँ प्रष्ठिानक सब जग्गा पूर्ववत रुपमे प्रतिष्ठान प्रयोग करत से निर्णय कएल गेल सरकारक प्रवक्ता शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधिमन्त्री सस्मित पोखरेल बतौलैन ।

मन्त्रिपरिषदक २०७५ भादब २१ के बैसारसँ प्रतिष्ठानक उक्त जग्गा राष्ट्रपति कार्यालयकेँ प्रदान करबाक निर्णय कएल गेल छल ।

आजुक बैसारसँ एकीकृत खानेपानी तथा ढल व्यवस्थापन परियोजना कार्यावंयन करबाक लेल एसियाली विकास बैंकसँ प्राप्त होएबला ११ करोड़ ५० लाख अमेरिकी डलर सहुलियतपूर्ण कर्जा प्राप्तिसम्बन्धी वार्ता, सम्झौतापत्र एवं दस्तावेज तैयारी तथा ओइमे हस्ताक्षर करबाक अख्तियारी अर्थ मन्त्रालयके सहसचिवक नेतृत्वमे एकटा टोली गठन कएल गेल अइछ ।

तहिना, बैसारसँ सरकारी निकायमे भेल सफ्टवेयर तथा सूचना प्रविधिसम्बन्धी विषयमे अध्ययन करबाक लेल सूचना तथा सञ्चार प्रविधि सल्लाहकारके संयोजकत्वमे अध्ययन कार्यदल सेहो गठन कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय