प्रज्ञा पुरस्कार–२०८२सँ बाह्र गोटे पुरस्कृत होबाक घोषणा


काठमाण्डू । नेपाल प्रज्ञा–प्रतिष्ठानद्वारा हरेक साल प्रदान करैत आएल प्रज्ञा पुरस्कारअन्तर्गत ‘प्रज्ञा पुरस्कार–२०८२’सँ पुरस्कृत भेनिहारके नाम सार्वजनिक कएल गेल अइछ ।

भाषा, साहित्य, संस्कृति, दर्शनशास्त्र आ सामाजिकशास्त्र क विभिन्न विधासँ पुरस्कृतसभके सूची आइ प्रतिष्ठान सार्वजनिक केलक अइछ । सङे, अइ बेरसँ प्रज्ञा प्रादेशिक पुरस्कार सेहो प्रारम्भ कएल प्रतिष्ठान जनौलक अइछ ।

प्रतिष्ठानक सदस्य सचिव डा धनप्रसाद सुवेदीद्वारा जारी विज्ञप्तिअनुसार जनही एक लाख टकाके प्रज्ञा पुरस्कार १२ व्यक्तिकेँ देल जेबाक तय भेल अइछ । जाहिमे समालोचनादिस प्रा डा अभि सुवेदी, भाषादिस प्रा मुकुन्दशरण उपाध्याय, सामाजिकशास्त्रदिस डा डम्बर चेम्जोङ, पद्म साहित्यदिस शैलेन्द्र साकार, संस्कृतिदिस प्रा डा सोमप्रसाद खतिवाड बालसाहित्यदिस सुशीला प्रधानाङ्ग, गद्मसाहित्यदिस आहुति, दर्शनदिस ईश्वरचन्द्र ज्ञवाली, अनुवाददिस डा सर्वोत्तम श्रेष्ठ, अन्तर्देशीयदिस नरेश काङ्माङ राई (बेलायत), मातृभाषा (हिमाली पहाड़़ी) दिस बुद्ध योञ्जन आ मातृभाषा (तराई मधेश)दिस अमरेन्द्र कुमार यादवकेँ प्रदान कएल जाएत।

तहिना, जनही ५० हजार टकाके प्रज्ञा प्रादेशिक पुरस्कार नेपाल प्रज्ञा–प्रतिष्ठान पहिल बेर ७ व्यक्तिकेँ द रहल अइछ । जाहिमे कोशी/१ नम्बरदिस मलिसा याक्थुम्बा लिम्बू (महेन्द्र कुमार नेम्वाङ), मधेश प्रदेशदिस मुना चौधरी, बागमती प्रदेशदिस शान्ति प्रिय बन्दना, गण्डकी प्रदेशदिस अनिल श्रेष्ठ, लुम्बिनी प्रदेशदिस क्षितिज मगर, कर्णाली प्रदेशदिस रमानन्द आचार्य, सुदूरपश्चिम प्रदेशदिस कर्ण दयाल सोडारीकेँ प्रज्ञा प्रादेशिक पुरस्कार प्रदान कएल जाएत।

उक्त पुरस्कारसभ इएह वैशाख १७ गते वृहस्पैतदिन नेपाल प्रज्ञा–प्रतिष्ठानके सिद्धिचरण सभाकक्ष, कमलादी, काठमाण्डूमे प्रदान कएल जेबाक विज्ञप्तिमे जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय