कञ्चनपुर–कमला सड़क आयोजनाके लागत तीन अरबसँ वृद्धि, चारिम बेर म्याद बढ़ेबाक तैयारी


सुदीप राउत/रासस
सिरहा, ७ जेठः कञ्चनपुर–कमला सड़क खण्डके ८६ दशमलव ८३ किलोमिटर सड़क विस्तार तथा स्तरोन्नति विगत छ सालसँ अलपत्र अइछ ।

एसियाली विकास बैंक (एडिबी) के ऋण सहयोगमे नेपालक गौरव आ रणनीतिक महत्त्वके ‘एसियन हाइ–वे’अन्तर्गतके उक्त सड़क अलपत्र भेलासँ सर्वसाधारणके समस्या होइत आइल अइछ ।

नेपाल सरकार आ निर्माण कम्पनी बीच २०७७ साल अखार ११ गते सड़क विस्तार आ स्तरोन्नतिके लेल सम्झौता भेल छल । सम्झौताअनुसार ई आयोजना २०८० कातिक ११ गते सम्पन्न करबाक छल । मुदा, निर्माण कम्पनी ‘चाइना रेलवे नं. २ इन्जिनियरिङ ग्रुप’ के सुस्ती आ आन्तरिक कारण निर्धारित समयमे काज नै भेल अइछ ।

परिणामस्वरुप आयोजनाके म्याद पहिने १४ महिना, ओइके बाद १२ महिना आ बितल समय छ महिना बढ़ा क आगामी अखार १६ गतेधैर कायम कएल गेल अइछ । अन्तिम म्याद समाप्त होबाक लेल आब करिब एक महिना मात्रे बाँकी अइछ । मुदा, अखनधैरके समग्र भौतिक प्रगति जमा ६८ प्रतिशत अइछ । छ साल बितलाक बादो ३२ प्रतिशत काज बाँकी हएब सुस्तीके गम्भीर रूप रहल आ चारिम बेर म्याद बढ़ेबाक अवस्था उत्पन्न भेल अइछ ।

आयोजना समयमे सम्पन्न नै भेलासँ नागरिकके दुःख होबाक सङे समयमे पुँजीगत खर्च नै भेलासँ राज्यके अनुत्पादक रूपमे ‘प्रतिबद्धता शुल्क’के भार सेहो बढ़ल अइछ । आयोजनामे भेल सुस्तीके कारण सुरुवाती अनुमानित लागतसँ लगभग तीन अरब बेसीके अतिरिक्त लागत वृद्धि वित्तीय भार राज्यकोषमे बढ़ल जनाओल गेल अइछ ।

आयोजनाके पूर्वी खण्ड सड़क योजना कार्यालयके प्रमुख नीरज शाक्यके कहब अनुसार उक्त खण्डमे ३९ दशमलव ४२ किलोमिटरमध्ये अखनधैर २४ दशमलव ५८ किलोमिटर मात्रे पक्की भेल अइछ । विगतमे काज सुस्त होबाकमे कोरोना महामारी, गाछ कटानमे देरी, बिजलीके पोल नै हटाएब आ ठेकेदार कम्पनीके आन्तरिक वित्तीय तरलता मुख्य कारण छल । तहिना, पश्चिमी खण्डके सूचना अधिकारी अनुपम कुमार साहके कहब अनुसार ४७ दशमलव ४१ किलोमिटरमध्ये ३५ दशमलव ६१ किलोमिटरमे पक्की भ चुकल अइछ । मुख्य बजार क्षेत्रसभमे विद्युतके ट्रान्सफर्मर हटेबाक लेल देरी आ बिजलीके पोल समयमे नै हटौलासँ मुख्य बजार क्षेत्रमे पक्की करबाक लेल देरी भेल अइछ ।

मन्त्रालय सम्झौता रद्द करबाक चेतावनी देलाक बाद बितल वैशाख १५ गतेसँ लहानमे काज फेरसा सुरु भेल पश्चिमी खण्ड सड़क योजना कार्यालयके प्रमुख उज्जवल श्रेष्ठ बतौलैन । अइसँ पहिने निर्माण कम्पनी आन्तरिक वित्तीय समस्या देखाबैत लगभग तीन महिनाधैर सड़क विस्तारके सम्पूर्ण काज बन्द कएने छल ।

‘कमिटमेन्ट’ चार्ज आ ब्याजके भार

आयोजनाके कुल लागत १५ अरब ६६ करोड़ अइछ । जइमे एसियाली विकास बैंक (एडिबी) के ७१ दशमलव २२ प्रतिशत ऋण आ नेपाल सरकारक २८ दशमलव ७८ प्रतिशत लगानी अइछ ।

परियोजनाके लागत वृद्धि

बेर–बेर म्याद बढ़ौलासँ परामर्शदाता शुल्क, प्रशासनिक खर्च, इन्धन आ निर्माण सामग्रीके मूल्य वृद्धिके कारण आयोजनाके सुरुवाती अनुमानित लागतसँ वास्तविक खर्च उल्लेख्य रूपमे वृद्धि भेल अइछ ।

नेपालस्थित एडिबी निर्देशनालयके सूचना अधिकारी ध्रुबकुमार श्रेष्ठके कहब अनुसार आगामी अखार १६ गतेधैर परामर्शदाताके सेवा अवधि बढ़ेबाक क्रममे साइटके विद्यमान अवस्था आ थप प्राविधिक निगरानीके आवश्यकता अइछ । ओ कहलैन, “साइटके अवस्था आ थप प्राविधिक निगरानीके आवश्यकताक आधारमे अतिरिक्त विज्ञसभक परामर्श सेवा आवश्यक भेलासँ प्रारम्भिक सम्झौता रकमके तुलनामे अखनधैर १८ दशमलव ९८ प्रतिशत अर्थात दू अरब ९७ करोड़ २२ लाखसँ लागत वृद्धि भेल छै ।”

मुदा, निर्माण व्यवसायीके म्याद बढ़ेबाक क्रममे निर्माण सामग्रीके मूल्य समायोजनसम्बन्धी प्रावधानकेँ ‘फ्रिज’ कएल गेलाक कारण भविष्यमे होबाक अतिरिक्त वित्तीय दायित्वकेँ न्यूनीकरण कएल गेल आयोजना जनौलक अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय