काठमाण्डू, १६ जेठः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल महिलाके क्षमता, सिर्जनशीलता आ नेतृत्वकेँ राष्ट्र निर्माणके मुख्य आधारक रूपमे स्थापित करैत देशक समृद्धि तथा दीर्घकालिन विकास हासिल करब आजुक आवश्यकता भेल बताैलैन अइछ ।
राष्ट्रिय महिला अधिकार दिवसके अवसरमे देश तथा विदेशमे रहल सम्पूर्ण नेपाली दिदीबहिनमे शुभकामना व्यक्त करैत राष्ट्रपति पौडेल कहलैन, “महिलापर होएबला सब किसिमके विभेद, हिंसा तथा असमानताके अन्त करैत सम्मानजनक आ सुरक्षित समाज निर्माण करब अपनासभ सबके साझा दायित्व छी । घर, समाज, कार्यस्थल आ निर्णय प्रकृयामे महिलाके अर्थपूर्ण सहभागिता सुनिश्चित करैत लैङ्गिक समानता प्रवर्धन करए लेल राज्य तथा नागरिक समाजबीच सहकार्य सुदृढ होएबाक चाही आवश्यकता देखाइत छै ।”
राष्ट्रपति पौडेल दिवसके अवसरमे महिलाके हकअधिकार सुनिश्चित करए लेल योगदान केनिहार सम्बन्धित सबकेँ स्मरण करैत धन्यवादसेहो व्यक्त केलैन अइछ ।
राष्ट्रपति पौडेल महिलाके श्रम, सीप, सिर्जनशीलता आ क्षमताकेँ विकास प्रक्रियाके मूलप्रवाहमे समाहित क आत्मनिर्भर बनाएब, स्रोत, साधन एवम् अवसरमे समान पहुँच स्थापित करैत निर्णय प्रकियामे सहभागिता अभिवृद्धिक लेल सरकारक नीति तथा कार्यक्रम कार्यान्वयन भ रहल उल्लेख केलैन
ओ कहलैन, “अइ दिवससँ सामाजिक सोच, शैली, प्रथा आ प्रचलनमे सकारात्मक परिवर्तनद्वारा नेपाली महिलाके सुरक्षा, सम्मान तथा हक अधिकार सुनिश्चित क लैङ्गिक समानतायुक्त सभ्य समाज निर्माण करएमे सबकेँ प्रेरणा मिलोए से शुभकामना व्यक्त करैत छी ।” (रासस)





