वीरगञ्ज (पर्सा), १८ जेठः जिला प्रहरी कार्यालय पर्सा पत्नीके हत्या क फरार भेल आरोपी एक गोटेकेँ गिरफ्तार केलक अइछ । वीरगञ्ज महानगरपालिका–१० बजरङ्ग टोलके रामनारायण दास तत्मा मादक पदार्थ सेवन क ४२ वर्षीया पत्नी हलसिया कुमारी देवीके हत्या कएने अभियोग लागल छल ।
दास इएह जेठ १४ गते लोहाके हतियारसँ प्रहार क हलसिया देवीके हत्या क फरार भेल जिला प्रहरी कार्यालयके प्रहरी प्रवक्ता हरि बहादुर बस्नेत जानकारी देलैन । अभियुक्त रामनारायणकेँ महोत्तरी प्रहरीके सहयोगमे शैनदिन महोत्तरीके रामगोपाल नगरपालिकासँ नियन्त्रणमे ल कर्तव्य जानसम्बन्धी कसुरमे अनुसन्धान सुरू कएल गेल ओ जानकारी देलैन । (रासस)





