वीरगञ्ज नाकासँ चाइर अरब दू करोड़ बराबरके विद्युतीय सवारीसाधन आयात


वीरगञ्ज (पर्सा), १८ जेठः चालु आर्थिक वर्षके १० महिनामे वीरगञ्ज नाकासँ चाइर अरब दू करोड़ टकासँ बेसीके विद्युतीय सवारीसाधन आयात कएल गेल अइछ ।

बितल आर्थिक वर्षके १० महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षमे मूल्यके आधारमे विद्युतीय सवारीसाधनके आयात दू अरब ३७ करोड़ टका अर्थात एक सओ ४३ दशमलव ६० प्रतिशतसँ वृद्धि भेल अइछ । वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके सूचना अधिकारी उदयसिंह विष्ट वीरगञ्ज नाकासँ चालु आर्थिक वर्षमे १५ हजार २ सओ ७१ टा विभिन्न प्रकारक विद्युतीय सवारीसाधनके आयात कएल गेल आ ओइसँ प्राप्त हुअबला राजस्वमे उल्लेखनीय वृद्धि भेल बतौलैन ।

बितल आर्थिक वर्षके १० महिनामे अइ नाकासँ एक अरब ६५ करोड़ टका बराबरके नौ हजार ४२ टा विभिन्न विद्युतीय सवारीसाधन आयात कएल गेल छल । ओइ वापत ८१ करोड़ ४७ लाख टका राजस्व सङ्कलन भेल छल ।

चालु आर्थिक वर्षके १० महिनामे एक अरब ८७ करोड़ टका बराबरके ५१ किलोवाटसँ एक सओ किलोवाटधैरके ६ सओ ५७ टा विद्युतीय कार, जीप आ भ्यान आयात कएल गेल अइछ । ओइ वापत एक अरब १९ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके १० महिनामे दू करोड़ छ लाख टका बराबरके छटा ५१ किलोवाटसँ एक सओ किलोवाट क्षमताके विद्युतीय जीप, कार आ भ्यानके आयात कएल गेल छल ।

तहिना, चालु आर्थिक वर्षके १० महिनामे एक अरब १७ करोड़ टका बराबरके आठ हजार ८ सओ ६७ टा विद्युतीय मोटरसाइकल तथा स्कुटर आयात कएल गेल अइछ । जइसँ ३८ करोड़ ५५ लाख टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके ओइ अवधिमे करोड़ ९६ लाख टका बराबरके चाइर हजार ८ सओ ३४ टा विद्युतीय मोटरसाइकल आ स्कुटर आयात कएल गेल छल । ओइ सवारीसाधनके आयातसँ २० करोड़ १५ लाख टका राजस्व सङ्कलन भेल छल ।

अइ नाकासँ चालु आर्थिक वर्षके १० महिनामे ३१ अरब ३१ करोड़ टका बराबरके इन्धन आ विद्युतसँ चलैबला सवारीसाधन तथा पार्टपुर्जा आयात कएल गेल सूचना अधिकारी विष्ट जानकारी देलैन ।

बितल आर्थिक वर्षके १० महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षके ओइ अवधिमे मूल्यके आधारमे सवारीसाधन आ पार्टपुर्जाके आयात नौ अरब ६५ करोड़ टका अर्थात ४४ दशमलव ५८ प्रतिशतसँ बढ़ल अइछ । चालु आर्थिक वर्षके १० महिनामे वीरगञ्ज नाकासँ एक अरब २५ करोड़ टका बराबरके छ सओ २८ टा जीप, कार आ भ्यानके आयात कएल गेल अइछ । ओइ वापत कार्यालय तीन अरब १७ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन केलक अइछ । बितल आर्थिक वर्षके ओइ अवधिमे एक अरब ८१ करोड़ टका बराबरके आठ सओ ५५ टा जीप, कार आ भ्यानके आयात कएल गेल अइछ ।

तहिना, चालु आर्थिक वर्षके १० महिनामे सात अरब ३२ करोड़ टका बराबरके ५१ हजार ४ सओ २३ टा मोटरसाइकल (अन एसेम्बल्ड) आयात कएल गेल अइछ । ओइ वापत सात अरब नौ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन भेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके ओइ अवधिमे पाँच अरब २१ करोड़ टका बराबरके अन एसेम्बल्ड मोटरसाइकल आयात कएल गेल छल । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय