विह्वलक ६ टा हाइकू


धर्मेन्द्र विह्वल

१) टूटल लोक
मुद्दा बाँकिए छैक
जोडs पडतै ।

२)उलटै छै
अखवारके पन्ना
खवर नै छै ।

३) हे यै घरनी
हम छी आ आहाँ छी
सङ्गे जीवs ने ।

४) नै बुझै छैक
नवका बातसब
पुरान लोक ।

५) नदी किनार
बालुपर पडल
गोहीक बच्चा ।

६) हुनक मुहँ
हम भ्रमित नै छी
चमकै चन्द्र ।

ताजा खबर
लोकप्रिय