गृहमन्त्रीद्वारा बिपी प्रतिष्ठानमे स्वास्थ्य सेवाके अनुगमन


सुनसरी, १२ अगहनः गृहमन्त्री सुधन गुरुङ धरानस्थित बिपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानके अनुगमन केलैन अइछ ।

अनुगमनमे ओ प्रतिष्ठानमे बेमारसभके सुरक्षा, इलाज सेवाके सहजता तथा सम्भावित बिचौलियाके प्रभावबारे जानकारी लेलैन। ओहि अवसरमे गृहमन्त्री गुरुङ बेमारके हित आ स्वास्थ्य सेवा तथा सुरक्षाकेँ उच्च प्राथमिकता द क कार्यसम्पादन करबाक लेल निर्देशन देलैन ।

ओ बिचौलियाद्वारा बेमारकेँ आन ठाम ल जा सकबाक तथा अनावश्यक रूपमे एम्बुलेन्स प्रवेश करेबाक जकाँ गतिविधि नियन्त्रण करबाक लेल ओ निर्देशन देलैन ।
ताहि अवसरमे उपकुलपति प्राडा स्मृति कार्की आ निर्देशक इन्द्र कुमार लिम्बूलगायतलगायत प्रतिष्ठानक पदाधिकारी अस्पतालसँ प्रवाह भ रहल स्वास्थ्य सेवा तथा अन्य भावि योजनाबारे जानकारी कराैने छल ।
ताहि क्रममे गृहमन्त्री गुरुङ प्रतिष्ठानमे एमआरआई सेवा सञ्चालनबारे जानकारी लेलैन। उक्त सेवासम्बन्धी प्रक्रियामे कोनो समस्या भेलापर जानकारी करेबाक निर्देशन देलैन। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय