महेन्द्रनगर (धनुषा), २५ जेठः मधेश प्रदेश सभाक सभामुख रामअशिष यादव युवा पुस्ताकेँ संसदीय प्रणाली, लोकतान्त्रिक मूल्य–मान्यता तथा नीतिनिर्माण प्रक्रियाके बारेमे व्यावहारिक ज्ञान देबाक लेल नमूना युवा संसदीय अभ्यास कार्यक्रम प्रभावकारी माध्यम भेल बतौलैन अइछ ।
मधेश प्रदेश सभा सचिवालयद्वारा आइ जनकपुरधाममे आयोजित ‘नमूना युवा संसदीय अभ्यास कार्यक्रम–२०८३’ मे ओ लोकतन्त्रके सुदृढ़ीकरणक लेल युवाके सक्रिय सहभागिता आवश्यक होबाक बतौलैन । ओ कहलैन, “संसदीय अभ्यासमार्फत युवासभमे नेतृत्व विकास, तार्किक बहस, निर्णय क्षमता तथा जिमेवारी बोधके विकास हएत । ”
लोकतान्त्रिक शासन प्रणालीकेँ प्रभावकारी बनेबाक लेल युवा पुस्ताके संविधान, कानुन तथा संसदीय प्रक्रियाके गहन अध्ययन करबाक लेल सभामुख यादव जोड़ देलैन । अइ प्रकारक अभ्याससँ युवाकेँ भविष्यमे सक्षम जनप्रतिनिधि, नीतिनिर्माता तथा जिमेवार नागरिक बनबाक लेल प्रेरित करत से ओ उल्लेख केलैन ।
ओइ अवसरमे प्रदेश सभा सदस्य उपेन्द्र महतो लोकतान्त्रिक व्यवस्थाके सफल कार्यावंयनक लेल युवाके सहभागिता अपरिहार्य रहल धारणा व्यक्त केलैन ।
कार्यक्रममे विभिन्न विद्यालय, क्याम्पस तथा शैक्षिक संस्थासँ सहभागी भेल युवा प्रदेश सभाके बैसार सञ्चालन, प्रश्नोत्तर, प्रस्ताव प्रस्तुति तथा परामर्श जेहन संसदीय गतिविधिके अभ्यास करत । (रासस)





