बजेटकेँ जनता केन्द्रित बनेबाक अर्थमन्त्रीकेँ सुझाव


काठमाण्डू, २९ जेठः राष्ट्रियसभाक सदस्यसभ आर्थिक वर्ष २०८३/८४के प्रस्तुत बजेटकेँ जनता केन्द्रित बनेबाक सुझाव देलैन अइछ ।

राष्ट्रियसभाक आजुक बैसारमे आर्थिक वर्ष २०८३/८४के राजस्व आ व्ययके वार्षिक अनुमानपर सामान्य बातचितमे भाग लैत सांसद नारायणदत्त मिश्र नेपालमे अर्थतन्त्रपर अनेक चुनौती छै, तकरा सम्बोधन करबाक बजेट परिमार्जन करए लेल सरकारकेँ सुझाव देलैन ।

सांसद झक्कुप्रसाद सुवेदी सीमान्तकृत समुदायमैत्री बजेटकेँ बनेबाक लेल जोड़ देलैन । सांसद स्मरण देवकोटा प्रस्तुत बजेट चालु आवके बजेटके संशोधित आकारसँ २५.२ प्रतिशत वृद्धि होएब अपनेमे महत्वकाङ्क्षी भेल कहलैन । सांसद मोहम्मद खालिद अगिला आवके बजेटसँ महँगी बढ़त आ जनतामे समस्या होबाक बतौलैन ।

सांसद ललितजङ्ग शाही गरिबीक रेखासँ निचाँ रहल जनताके शिक्षा आ स्वास्थ्य निःशुल्क बनेबाक लेल बजेट केन्द्रित होबाक चाही कहलैन ।

सांसद सोमनाथ पोर्तेल दलित समुदायसँ माफी माँगैत आ सुधारके कार्यक्रम अनबाके बचन पूरा करबाक आग्रह केलैन । सांसद राजेन्द्रलक्ष्मी गैरे महिलाक दबाएल आवाजकेँ सम्बोधन करबाक कार्यक्रमसहित बजेट परिमार्जन लेल सुझाव देलैन । सांसद रोशनी मेचे पुँजीगतसँ सेहो चालु खर्च बेसी भेलासँ विकास निर्माणके अपेक्षा पूरा नै भ सकबाक बतौलैन ।

बैसारमे सांसद विष्णु कुमारी सापकोटा, वासुदेव घिमिरे, भुवनबहादुर सुनार, गीता देवकोटा, विष्णुबहादुर विश्कर्मा, श्रीकृष्णप्रसाद अधिकारीसहित बजेटकेँ जनमुखी बनेबाक चाही से विचार व्यक्त केलैन ।

राष्ट्रियसभाक दोसर बैसार अखार १ गते दुपहर १ः१५ बजे हएत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय