रास्वपाके महाधिवेशनमे विभिन्न पार्टीद्वारा शुभकामना


काठमाण्डू, ७ अखार : राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीके प्रथम महाधिवेशनके उद्घाटन सत्रमे विभिन्न राजनीतिक दलक शीर्ष नेता आ प्रतिनिधि शुभकामना देलैन अइछ ।

चितवनके भरतपुरमे जारी महाधिवेशनके उद्घाटन सत्रमे नेपाली कांग्रेसक सभापति गगन कुमार थापा, नेकपा (एमाले) के नेता प्रदीप कुमार ज्ञवाली, नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा)के नेता वर्षामान पुन, राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीके अध्यक्ष राजेन्द्र लिङ्देन, पूर्वप्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई शुभकामना देलैन । तहिना, जनता समाजवादी पार्टी नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव, जनमत पार्टीके अध्यक्ष डा. चन्द्रकान्त राउत सेहो महाधिवेशनके सफलताक कामना केलैन ।

नेतासभ कम समयमे रास्वपा राष्ट्रिय राजनीतिके मिसाल बनबाक लेल सफल भेलापर प्रशंसा करैत प्राप्त जनमतकेँ जनअपेक्षा अनुसार पूरा करबाक लेल जोड़ देलैन । ओसभ वर्तमान सरकार कएने नीक काजक समर्थन रहबाक स्पष्ट केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय