प्रेम, मानवता आ शान्तिके उच्च अभ्याससँ अभिप्रेरित होइत छै: राष्ट्रपति


काठमाण्डू, १६ अखार: राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेल नेपालीसभक जीवन दर्शने सेवा, करुणा, प्रेम, मानवता आ शान्तिक उच्चतम अभ्याससँ अभिप्रेरित रहल बतौलैन ।

रोटरी क्लब अफ भादगाउँद्वारा राष्ट्रपति भवन शीतलनिवासमे आइ आयोजित सम्मान कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत ओ सहकार्य, सद्भाव आ सहिष्णुतासँ नीक मार्गमे चलबाक प्रेरित करैत छै से कहलैन ।

राष्ट्रपति पौडेल निःस्वार्थ भावसँ मानव सेवामे समर्पित होएब सबसँ पैघ धर्म छियै से कहैत विश्व शान्ति, अन्तर्राष्ट्रीय सहकार्य आ मानव कल्याणक क्षेत्रमे रोटरीद्वारा देखाएल गेल प्रतिबद्धता आजुक बदलल परिवेशमे आओर सान्दर्भिक होइत गेल बतौलैन ।

संयुक्त राष्ट्रसंघक चार्टर लेखनमे रोटरीद्वारा देल गेल योगदानसभ कालजय स्मरणीय रहल कहैत राष्ट्रपति पौडेल कहलैन, “ई मात्र नै पोलियो उन्मूलन, भविष्यके नेतृत्वकर्ता निर्माण करए लेल प्रतिभाशाली युवासभकेँ प्रत्येक वर्ष पूर्ण छात्रवृत्ति प्रदान सङे नेपाल आ भुटानमे रोटरी शिक्षा, स्वास्थ्य, पीबएबला पाइन, सरसफाइ, वातावरण संरक्षण, विपद् व्यवस्थापन तथा समुदाय विकासक क्षेत्रमे देल गेल योगदान उदाहरणीय अइछ ।”

कार्यक्रममे १४ जन पूर्व डिस्ट्रिक गभर्नर तथा क्लबके संस्थापक अध्यक्षकेँ सम्मानित कएल गेल छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय