चलचित्र उद्योगकेँ सुदृढ बनेबाक लेल सरकार तैयार: सञ्चारमन्त्री डा तिमिल्सिना


काठमाण्डू, १६ अखार: सूचना तथा सञ्चारमन्त्री डा विक्रम तिमिल्सिना नेपाली चलचित्र उद्योगक समस्या, चुनौती आ अपेक्षाप्रति सरकार संवेदनशील रहल बतौलैन । चलचित्र विकास बोर्डक २६म वार्षिकोत्सव समारोहकेँ सम्बोधन करैत ओ चलचित्र क्षेत्रक वास्तविक आवश्यकताकेँ सम्बोधन करैबला कानुन, नीति आ कार्यक्रम मार्फत उद्योगकेँ सुदृढ बनेबाक लेल सरकार तैयार रहल बतौलैन ।

संसदमे विचाराधीन चलचित्र विधेयककेँ समयसापेक्ष, व्यावहारिक आ चलचित्र उद्योगक वास्तविक आवश्यकता अनुकूल बनेबाक लेल सब सरोकारवालासँ सुझाव लेल जेबाक सञ्चारमन्त्री डा तिमिल्सिनाक कहब अइछ ।

चलचित्रकर्मीसँ नियमित बातचित करैत आवश्यक नीतिगत आ संरचनात्मक सुधार आगाँ बढ़ाएल जेबाक सञ्चारमन्त्री डा तिमिल्सिना स्पष्ट केलैन। ओ नेपाली चलचित्र उद्योग कठिन परिस्थितिक बादो निरन्तर प्रगति क रहल उल्लेख करैत ओकर श्रेय अग्रज चलचित्रकर्मीक अथक योगदानकेँ देलैन । चलचित्र क्षेत्रके इतिहास, विकासक्रम आ योगदानकेँ दस्तावेजीकरण करए लेल अनुसन्धानमे आधारित लेख, पुस्तक तथा अध्ययन प्रकाशनमे सेहो जोड़ दिय पड़त बतौलैन ।

सञ्चारमन्त्री डा तिमिल्सिना लोकतान्त्रिक व्यवस्थामे प्रत्येक क्षेत्र नागरिकके विश्वास जीतय पड़त उल्लेख करैत चलचित्र क्षेत्र ओइसँ अलग नै रइह सकैत अइछ कहलैन । विभिन्न लोकतान्त्रिक आन्दोलनमे चलचित्र क्षेत्रके महत्वपूर्ण योगदान रहल बतौलैन ।

चलचित्र विकास बोर्डके अध्यक्ष दिनेश डीसी नवका चलचित्र विधेयक निर्माणक चरणमे रहलासँ सम्पूर्ण सरोकारवाला सक्रिय रूपमे सुझाव दिय पड़बाक आवश्यकता रहल बतौलैन । चलचित्र क्षेत्रक अनुभव आ व्यावहारिक पक्ष समेटल ऐनसँ मात्रे उद्योगकेँ दीर्घकालीन रूपमे लाभ पहँचबाक विश्वास व्यक्त करैत ओ सब क्षेत्रसँ रचनात्मक सुझावके अपेक्षा रहल बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय