काठमाण्डू, १८ अखारः यातायात व्यवस्था विभाग बितल अखार १७ गते मध्यराइतसँ पेट्रोलियम पदार्थके दाम घटलाक बाद अन्तरप्रदेशीय सार्वजनिक तथा मालवाहक सवारीसाधनके भाडादर आइएसँ दू प्रतिशत घटल अइछ ।
विभाग आइ सार्वजनिक सूचना जारी करैत सार्वजनिक यातायात तथा मालवाहक सवारीसाधनके भाडा दू प्रतिशत घटाएल गेल अइछ ।
विभाग पछिला बेर भाडादर समायोजन करैत काल डिजेलके औसत दाम प्रतिलिटर २३५ टका ८३ पैसा छल तँ बितल अखार १७ गतेसँ तँ १९३ टका ८३ पैसा कायम भेलासँ स्वचालित प्रणालीअनुसार नयाँ भाडा समायोजन कएल गेल जनौलक अइछ ।
अइसँ पहिने वि.सं. २०८३ वैशाख १२ गतेके मन्त्रिस्तरके निर्णयअनुसार सार्वजनिक तथा मालवाहक सवारीसाधनके भाडा पाँच प्रतिशत वृद्धि कएल गेल छल ।
नेपाल राष्ट्रिय यातायात व्यवसायी महासंघके अध्यक्ष पुण्य प्रसाद सिटौला (सरोज) विभाग सार्वजनिक यातायात आ मालवाहक सवारीसाधनके भाडा दू प्रतिशत घटल बतौलैन । (रासस)





