महोत्तरी, १९ अखारः नेकपा (एमाले)क नेता एवम् प्रतिनिधिसभाक पूर्वसदस्य महोत्तरीके गौशाला–२ क बासी लक्ष्मी महतो कोइरी पकड़ाएल अइछ ।
बुधदिन उच्च अदालत जनकपुरधाम सशस्त्र प्रहरीक असइ (सशस्त्र प्रहरी सहायक निरीक्षक) थमन विक हत्या प्रकरणमे पाँच वर्ष कैद सजाय फैसलाक वाद कोइरीकेँ प्रहरी वृहस्पैतदिन साँझमे गौशाला–५ स्थित एमाले् पार्टी कार्यालय परिसरसँ गिरफ्तार कएने अइछ ।
कोइरीकेँ अदालतके फैसलाअनुसार पकड़ाएल जिला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रवक्ता तथा प्रहरी नायब उपरीक्षक पञ्चलाल गोले पुष्टि केलैन ।
अइसँ पहिने महोत्तरी जिला अदालत २०८० साल अगहन २८ गते कएल इएह मुद्दाके फैसलामे कोइरीकेँ सफाइ देने छल । मुद्दाके समय २०७९ सालके प्रतिनिधिसभा निर्वाचनमे महोत्तरी–१ मे नेकपा (एमाले)सँ निर्वाचित कोइरी अइ बेर बितल फागुनके चुनावमे सेहो उम्मेदवार छलैथ । कोइरी अइ बेर पराजित भेल छलैथ।
नेकपा (एमाले)के मधेश प्रदेश कमिटी सदस्य रहल कोइरीकेँ गिरफ्तार क वृहस्पैतदिन जिला सदरमुकाम जलेश्वर पहुाएल गेल अइछ । सशस्त्र प्रहरीक असइ विककेँ २०७२ भादबमे मधेश आन्दोलनके समय जलेश्वरके सड़केमे निर्घात माइरपिट कएने छल । जलेश्वरसँ इलाजक लेल जनकपुर जाइत काल रस्ता छेक बैसल किछ व्यक्ति हुनकर हत्या कएने छल । (रासस)





