रासस/एपी
कायरो, २२ अखार : सुडानमे जारी गृह युद्धक कारण बितल छ महिनामे तीन सओसँ बेसी बालबालिकाके मृत्यु भेल अइछ । ओइमध्ये अधिकांशके मृत्यु ड्रोन आक्रमणमे भेल संयुक्त राष्ट्रसङ्घीय बाल कोष (युनिसेफ) जनौलक अइछ । युद्ध आओर तीव्र बनलासँ बालबालिका हिंसा, विस्थापन आ मानवीय सङ्कटके सबसँ पैघ समस्यामे अइछ ।
सन् २०२३ के अप्रिलसँ सुडानी सेना आ अर्धसैनिक द्रुत समर्थन बल (आरएसएफ) बीच जारी द्वन्द्व अखन मुख्यतः कोर्डोफान, डार्फर आ ब्लू नाइल राज्यमे केन्द्रित अइछ । युनिसेफ अनुसार बितल समय ड्रोन युद्ध तीव्र बनल अइछ, तँ कुल मृत्युमध्ये करिब ६० प्रतिशत घटना ड्रोन आक्रमणसँ सम्बन्धित अइछ ।
रणनीतिक महत्त्वके उत्तर कोर्डोफानस्थित एल–ओबिड सहरके नियन्त्रणक लेल सेना आ आरएसएफ बीच बढ़ल लड़ाइके क्रममे सम्भावित युद्ध अपराध आ मानवअधिकार उल्लङ्घनके बारेमे संयुक्त राष्ट्रसङ्घ, अमेरिका, बेलायतलगायत अन्तर्राष्ट्रिय समुदाय गम्भीर चिन्ता व्यक्त केलक अइछ ।
अइ युद्धमे अखनधैर कम्तीमे ५९ हजार नागरिकके मृत्यु भ चुकल अइछ, तँ करिब एक करोड़ ३० लाख नागरिक विस्थापित भेल अइछ ।
ड्रोन आक्रमण आ गोलाबारीके क्रममे विद्यालय, बजार, इन्धन भण्डारण केन्द्र तथा पिबैबला पाइनक संरचना सेहो निशाना बनाएल गेलाक कारण पाँच लाखसँ बेसी नागरिक प्रत्यक्ष जोखिममे अइछ ।
सुडानक लेल युनिसेफके प्रतिनिधि शेल्डन येट बालबालिका हिंसा, विस्थापन आ अभावके अन्तहीन चक्रमे फसल कहैत ओकरासभक सुरक्षा सुनिश्चित करबाक लेल तत्काल प्रभावकारी निर्णय करबाक लेल आग्रह केलैन । संयुक्त राष्ट्रसङ्घ सेहो द्वन्द्वरत पक्षसभकेँ नागरिक तथा नागरिक पूर्वाधारके संरक्षण करए, मानवीय सहायता निर्बाध रूपमे पहुँचैबला वातावरण बनाबए आ बालबालिकाकेँ आओर क्षतिसँ जोगेबाक लेल सब सम्भव उपाय अपनेबाक लेल आह्वान केलक अइछ ।





