वर्षासँ जलेश्वर जलमग्न


जलेश्वर (महोत्तरी), २६ अखार : आइ भेल भारी वर्षासँ महोत्तरी जिलाके सदरमुकाम जलेश्वर जलमग्न बनल अइछ ।
करिब डेढ़ घण्टाधैर लगातार भेल वर्षासँ सदरमुकाम जलेश्वरसहित अगलबगलके क्षेत्र जलमग्न बनल छै । वर्षाक कारण जलेश्वरके सड़कमे एकसँ तीन फिटधैर पाइन जमल छै। सड़क यातायात आवागमन सेहो प्रभावित बनल अइछ ।
जलेश्वरके शहरी क्षेत्रमे ढल निकासके उचित व्यवस्था नै भेलासँ पाइनसङे प्लास्टिक गंदा सड़कभैर पसरलछ अइछ । महेन्द्रचौकस्थित हनुमान मन्दिर सेहो डुबान भेल अइछ । जलेश्वर नगरपालिका–२ मे रहल राजदेवी मन्दिर सेहो डुबानसँ प्रभावित भेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय