बुधदिनसँ १४.२ किलो ग्यासयुक्त सिलिण्डर बजारमे


काठमाण्डू, ३१ अखारः नेपाल आयल निगम बुधदिनसँ पहिनेजका १४ दशमलव २ किलो ग्यासयुक्त सिलिण्डर बजारमे पठेबाक लेल निर्देशन देलक अइछ ।

इण्डियन आयलके विभिन्न बोटलिङ्ग प्लान्ट तथा रिफाइनरीसभसँ एलपी ग्यासके लोडिङके अवस्थामे सुधार आएल कहैत निगम बुधदिनसँ सिलिण्डरमे १४ दशमलव २ किलो ग्यास भड़ै लेल उद्योगीकेँ निर्देशन देने प्रवक्ता मनोज ठाकुर जानकारी देलैन ।

निगम १४ दशमलव २ किलो ग्यासके मूल्य प्रतिसिलिण्डर दू हजार ६० टका निर्धारण केलक अइछ । निगम तत्कालीन अवस्थामे ग्यासके आपूर्ति आ वितरण प्रणालीकेँ सहज बनेबाक लेल बितल फागुन २९ गतेसँ दोसर निर्णय नै भेलाधैर आधा तौल (७ दशमलव १ किलो) ग्यासयुक्त सिलिण्डर बिक्री करबाक लेल निर्देशन देने छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय