देशभैर ५० प्रतिशत धान रोपनी सम्पन्न


ललितपुर, ३१ अखारः देशभैर अखनधैर करिब ५० प्रतिशत धान रोपनी सम्पन्न भेल अइछ । कृषि विभाग अनुसार अइ साल १३ लाख ७० हजार हेक्टर क्षेत्रफलमे धान रोपनी करबाक लक्ष्य निर्धारण कएल गेलमे अखनधैर ६ लाख ८२ हजार हेक्टर क्षेत्रफलमे रोपनी सम्पन्न भेल अइछ ।

विभागक उपमहानिर्देशक राजेन्द्र कोइराला बितल साल अइ अवधिधैर ६० प्रतिशत रोपनी भेलाक बादो अइ साल ५० प्रतिशत मात्रे रोपनी सम्पन्न भेल जानकारी देलैन ।

प्रदेशगत रूपमे सबसँ बेसी सुदूरपश्चिममे ८७ प्रतिशत रोपनी भेल अइछ । ओइके बाद गण्डकीमे ६५ दशमलव नौ प्रतिशत, कर्णालीमे ६० प्रतिशत, लुम्बिनीमे ५९ प्रतिशत आ बागमतीमे ५७ दशमलव एक प्रतिशत रोपनी भेल अइछ । कोशीमे ३२ प्रतिशत आ मधेशमे ३२ दशमलव सात प्रतिशत मात्रे रोपनी भेल विभाग जनौलक अइछ ।

देशक अधिकांश स्थानमे वर्षा भ रहलासँ अगिला एक हप्तामे धान रोपनी आओर बढ़बाक विभागके अपेक्षा अइछ । बाइढ़, भूस्खलन या अन्य प्राकृतिक विपद नै एलापर रोपनी आओर तीव्र होबाक विभाग जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय