गौर (रौतहट), ३१ अखारः गरुडा नगरपालिका–९ गम्हरियाके २८ वर्षीय गौतम कुमार सहनी शरीरपर पेट्रोल राइत आइग लगा आत्मदाहके प्रयास केलैन अइछ ।
गरुडा नपा–९ के वाड अध्यक्ष राजेश सहनीके कहब अनुसार किछ समयसँ मानसिक तनाव तथा ‘डिप्रेसन’सँ पीड़ित स्थानीय युवा अपने मोटरसाइकलसँ पेट्रोल निकाइल क शरीरमे राइख मङ्गलदिन राइत आत्मदाहके प्रयास कएने छलैन ।
जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रवक्ता एवं प्रहरी नायब उपरीक्षक वसन्त गौतम सहनीके गर्दनसँ तरके करिब ३५ प्रतिशत भाग जरल अवस्थामे स्थानीय चिकित्सकके सल्लाहबमोजिम थप इलाजक लेल काठमाण्डूदिस पठाएल गेल अइछ ।
घायल युवा डिप्रेसनके समस्यामे रहल प्रारम्भिक जानकारी प्राप्त भेल उल्लेख करैत जिला प्रहरी प्रवक्ता गौतम सहनीके विस्तृत जानकारीसहित घटनाके विषयमे थप अनुसन्धान भ रहल बतौलैन ।
शरीरमे पेट्रोल राइख आइग लगौने जानकारी प्राप्त भेलाक बाद परिवारक सदस्य सहनीकेँ इलाजक लेल राइत गरुडास्थित बेटर नेपाल अस्पताल पहुँचौने छल । उक्त अस्पतालमे प्राथमिक इलाज कएलाक बाद सहनीकेँ चिकित्सकके सल्लाहअनुसार थप इलाजक लेल काठमाण्डू कीर्तिपुरस्थित बर्न अस्पताल ‘रिफर’ कएल गेल इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडा जनौलक अइछ ।
वडाध्यक्ष सहनीके कहब अनुसार घायल युवा कनियासहित तीन बेटा सङे गरुडा बजारस्थित झाझ पुलन लग होटल सञ्चालन क जीविकोपार्जन करैत आएल छलैन । (रासस)





