काठमाण्डू, ३१ अखारः प्रतिनिधिसभाक आजुक बैसारसँ ‘अन्तर्राष्ट्रीय श्रम सङ्गठनके बाध्यकारी श्रम महासन्धि, १९३० सम्बन्धी सन् २०१४के प्रोटोकल नं २९ सर्वसम्मति अनुमोदन भेल अइछ ।
बैसारमे युवा, श्रम तथा रोजगारमन्त्री रामजी यादव उक्त प्रोटोकल नं २९ क प्रावधानकेँ अनुमोदनक लेल प्रस्ताव कएने छल । बातचितमे उठल विषयमे जवाफ दैत मन्त्री यादव सांसदसभके सुझावकेँ ग्रहण करैत अगिला दिनमे श्रमसम्बन्धी नीति आ कानुनमे आवश्यक संशोधन करैत प्रभावकारी कार्यान्वयन करबाक बतौलैन ।
उक्त प्रस्तावपर सांसदसभ प्रकाश पाठक, रीना उप्रेती, माधवबहादुर थापा, नरेन्द्र कुमार केरुङ, श्रद्धा कुँवर क्षेत्री, डा अर्जुन कुमार कार्की, अशोक कुमार चौधरी, ज्ञानु पौडेल, गङ्गालक्ष्मी अवाल, शाहजान खातुन, गुरु बराल, कृष्णहरि बुढाथोकी, गणेशबहादुर विश्वकर्मे आ अमृता विक सुझाव आ चर्चा कएने छल।
किछ सांसदसभ अन्तर्राष्ट्रिय श्रम प्रोटोकल पारित करबाक आ दोसरदिस श्रम सङ्गठनसभ खारेजी करब ई सोचमे समानता नै भेल टिप्पणी केलैन । श्रम शक्तिसँ राष्ट्र निर्माण हएत से मान्यतासँ रोजगारदाता आ श्रमिकबीच सरकार समन्वय बढ़ेबाक चाही से बतौलैन । (रासस)





