जनकपुरधाम : तराई-मधेशक ‘लाइफ लाइन’ मानल जाएबला हुलाकी सड़क आ तकर अन्तर्गत पुलसभके जीर्ण अवस्थाप्रति सरकारक ध्यानाकर्षण करेबाक उद्देश्यसँ सिरहामे आइ राष्ट्रिय बहुभाषिक कवि सम्मेलन आयोजित भेल अइछ।
हुलाकी सड़क संघर्ष समितिक अगुवाइमे सिरहाक बरियारपट्टी स्थित जनता माध्यमिक विद्यालयमे आयोजित सम्मेलनमे कविसभ हुलाकी सड़क आ कमला नदीके पुलाके अवस्थाकेँ चित्रण करैत कविता वाचन कएने छल।
धनुषा आ सिरहाकेँ जोड़एबला कमला नदीके पुल निर्माणक लेल स्थानीय बासी विगत १० सालसँ शान्तिपूर्ण प्रदर्शन, जुलुस, सड़क अवरोध, घेराउ, विज्ञप्ति तथा आमरण अनशन सहित आन्दोलन करैत आएल छैथ। आइ नवका शैली अपना क ओसभ भौतिक संरचनाके माँग कएने छैथ।
सम्बन्धित निकायकेँ नैतिक दबाब देबाक लेल कवि सम्मेलन आयोजित कएल गेल हुलाकी सड़क संघर्ष समितिक संयोजक रामरिझन यादव कहलैन।
हुलाकी सड़क आ एकर पुलासभके ‘दशा, दिशा आ दुर्दशा’केँ मुख्य विषयवस्तुपर आयोजित सम्मेलनमे झापाक कवि केशव आचार्य, उर्दू भाषाक कवि साहिदा बानो शाह सहित ५० गोटे कविसभ सहभागी छलैन। कार्यक्रममे सिरहाक विभिन्न माध्यमिक विद्यालय तथा क्याम्पसक २५ गोटे विद्यार्थीक सेहो सहभागी छल। (रासस)





