काठमाण्डू, ३ साओन : जल तथा मौसम विज्ञान विभाग शैनदिन जारी विशेष मौसमी बुलेटिनअनुसार अनुमान कएलजका बाइढ़के खतरा नै रहल जनौलक अइछ । यद्यपि, आइ आ काइल देशक विभिन्न जिलाके छोट–छोट नदीमे आकस्मिक बाइढ़के जोखिम कायम भेलासँ सतर्कता अपनेबाक लेल विभाग आग्रह केलक अइछ ।
विभाग शैनदिन विशेष मौसमी बुलेटिन जारी करैत कोशी, गण्डकी, लुम्बिनी आ सुदूरपश्चिम प्रदेशक पहाड़ तथा तराईके एक–दू स्थानमे अति भारी वर्षा होबाक आ ओइके कारण बाइढ़ भूस्खलन तथा डुबानके जोखिम बढ़बाक पूर्वानुमान कएने छल । ओएह आधारमे पाँचथर, इलाम, झापा, सङ्खुवासभा, तेह्रथुम, भोजपुर, खोटाङ, धनकुटा, सिन्धुली, ललितपुर, काभ्रे, सिन्धुपाल्चोक, नुवाकोट, चितवन, धादिङ, गोरखा, लमजुङ, कास्की, तनहुँ, पर्वत, बागलुङ, म्याग्दी आ स्याङ्जा जिलाकेँ उच्च जोखिममे राखैत विशेष बुलेटिन जारी कएल गेल छल ।
विभागक बाइढ़विद सौहार्द जोशी वास्तविक वर्षा पूर्वानुमानके विश्लेषण करैतकाल अनुमान कएल गेल स्तरके बाइढ़ जोखिम नै रहल बतौलैन ।
हुनक कहब अनुसार आइ भोरके मापनअनुसार कोशी, नारायणी, बागमती, कर्णाली, महाकाली तथा ओकर सहायक नदीसहित कन्काई, कमला, बबई, पूर्वी राप्ती आ पश्चिम राप्ती नदीके बहाव सतर्कता तहसँ तर अइछ ।
यद्यपि झापा, मोरङ, सुनसरी, इलाम, पाँचथर, तेह्रथुम, दोलखा, सिन्धुपाल्चोक, काभ्रेपलाञ्चोक, काठमाण्डू, भक्तपुर, ललितपुर, धादिङ, मकवानपुर, चितवन, कास्की, तनहुँ, स्याङ्जा, पर्वत, बाग्लुङ, गुल्मी, पाल्पा, अर्घाखाँची, प्युठान, नवलपरासी (पूर्व आ पश्चिम), रुपन्देही, कपिलवस्तु, दाङ, बाँके, बर्दिया, डोटी, डडेलधुरा, कैलाली आ कञ्चनपुर तथा लगपासके जिला होइत बहैबला छोट–छोट नदीके बहाव उल्लेख्य बढ़बाक कारण नदी तटीय क्षेत्रमे सतर्कता अपनेबाक लेल विभाग आग्रह केलक अइछ ।
राष्ट्रिय विपद जोखिम न्यूनीकरण तथा व्यवस्थापन प्राधिकरण उच्च जोखिम रहल जिलामे राइतक समयमे सवारी आवागमन रोकबाक तथा अन्य पूर्वतैयारीके गतिविधिकेँ सशक्त बनौलक अइछ ।
प्राधिकरण अनुसार अन्य जिलामे उच्च सतर्कता अपनेबाक लेल आग्रह कएल गेल अइछ, तँ सम्भावित विपदके प्रतिकार्यके लेल नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी बल, स्थानीय तह तथा स्वयंसेवककेँ तैयारी अवस्थामे राखल गेल अइछ । (रासस)





