काठमाण्डू, ५ साओन : सरकार निजी शिक्षा आ स्वास्थ्य क्षेत्रमे लगाएल गेल ३ प्रतिशत समता कर हटाएल गेल अइछ । प्रधानमन्त्री वालेन्द्र शाह सामाजिक सञ्जालमार्फत उक्त व्यवस्था कार्यान्वयनपर आमजनतामे थप खर्च आ निराश देखल गेल उल्लेख करैत अखन समता कर हटाएल गेल उल्लेख केलैन अइछ ।
प्रधानमन्त्री शाह अर्थमन्त्री स्वर्णिम वाग्लेसँ परामर्श कएलाक बाद हाल शिक्षा समता शुल्क आ स्वास्थ्य समता शुल्क लागु नै करबाक निर्णय कएल गेल बतौलैन ।
“ई सरकार जनताके विश्वास आ अपेक्षासँ बनल जनमुखी सरकार छी । हमरासभक मुख्य उद्देश्य सुशासन कायम करैत सब नागरिककेँ गुणस्तरीय जीवनके अनुभूति करेबाक अइछ,” प्रधानमन्त्री शाह कहलैन ।
तीन प्रतिशत समता कर अनबाक उद्देश्य दुर्गम आ पछाडी पड़ल क्षेत्रके नागरिककेँ बढ़िया शिक्षा आ स्वास्थ्य सेवा उपलब्ध करेबाक, दलित, सिमान्तकृत तथा विपन्न बालबालिकाकेँ सहयोग, स्वास्थ्य बीमा विस्तारक लेल आवश्यक आर्थिक स्रोत जमा करबाक रहल प्रधानमन्त्रीके कहब अइछ । ओ करके दायरा विस्तार करैत अर्थतन्त्रकेँ आओर व्यवस्थित बनेबाक लक्ष्यसहित उक्त व्यवस्था आनल गेल बतौलैन ।
ओ नागरिक तहमे समता करके विषयमे आएल प्रतिक्रियापर सरकारक गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल आ नागरिकके माँग सुनैत समतामूलक समाज निर्माण करए लेल हमरासभके प्रतिबद्धता अटल आ स्पष्ट रहल बतौलैन । (रासस)





