कक्षा १२ क मौका परीक्षाक परीक्षाफल प्रकाशित


काठमाण्डू, २२ साओनः राष्ट्रिय परीक्षा बोर्ड वृहस्पैतदिन कक्षा १२के मौका परीक्षाके परीक्षाफल प्रकाशित केलक अइछ ।

बोर्डके अनुसार परीक्षामे ७१ हजार ३१० परीक्षार्थी सहभागी भेल छल । जाहिमे सब विषयमे ग्रेड प्राप्त केनिहार परीक्षार्थीके सङ्ख्या ५७ हजार ८९७ अइछ । ई ८१.१९ प्रतिशत छी।

एहिने, तीन परीक्षार्थीके परीक्षाफल रद्द कएल गेल अइछ । नतिजामे प्राविधिक कारण कोनो त्रुटि भेलापर परीक्षा नियन्त्रण कार्यालयक मूल अभिलेखसँ सुधार कएल उल्लेख अइछ ।

परीक्षाफल बोर्डके वेबसाइट, एसएमएस आ आइभीआर सर्भिससँ प्राप्त कएल जाएत । बोर्ड इएह साओन २ आ ३ गते मौका परीक्षा सञ्चालन कएने छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय